रांची। राजधानी रांची सं एक हृदयविदारक आ मर्मांतक घटना सामने आयल अछि। जगन्नाथपुर थाना क्षेत्रांतर्गत सिंह मोड़ स्थित एक अपार्टमेंट मे एक महिला द्वारा अपन दू मासूम बच्चाक संग फांसी लगा कए आत्महत्या कय लेबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। मृत बच्चामे बेटाक उम्र 14 वर्ष आ बेटी के 12 वर्ष बताओल जा रहल अछि। पुलिस महिला आ दुनू बच्चाक शव जब्त कए मामला केर जांच प्रारंभ कए चुकल अछि।
दू दिन पूर्व आत्महत्या करबाक आशंका
प्रारंभिक जानकारी अनुसार, आत्महत्या केर ई घटना सम्भवतः दू दिन पहिने भेल होयबाक आशंका जताओल जा रहल अछि। महिला विगत तीन दिन सं अपन पति बृजेश सिंह केर फोन कॉल रिसीव नहि कए रहल छलीह। एहि सं सशंकित भए कए बृजेश सिंह द्वारा अनहोनी केर आशंका मे जगन्नाथपुर थाना मे लिखित शिकायत देल गेल। शिकायत केर आधार पर रविदिन पुलिस जखन अपार्टमेंट मे पहुंचल, तं महिला संग दुनू बच्चाक शव घरक भीतर फंदा सं झूलल अवस्था मे भेटल।
पति-पत्नी बीच चलि रहल छल विवाद
घटनाक संदर्भ मे प्राप्त सूचना अनुसार, मृत महिला आ हुनकर पति बृजेश सिंह मूल रूपेण बिहारक औरंगाबाद जिलाक रहनिहार छथि। पति-पत्नी बीच विगत समय सं किछु व्यक्तिगत विवाद चलि रहल छल, जाहिके कारण महिला पति सं अलग भ’ क’ रांचीक ओहि अपार्टमेंट मे दू बच्चाक संग निवास कए रहल छलीह।
तीन दिन सं जखन महिला द्वारा फोन नहि उठाओल जा रहल छल, तखन बृजेश सिंह द्वारा गम्भीर चिंता व्यक्त करैत जगन्नाथपुर थाना मे शिकायत देल गेल। ओहि शिकायतक आलोक मे रविदिन पुलिस अपार्टमेंट पहुँचल, जाहिके उपरांत ई संपूर्ण त्रासद घटना सामने एल।
पुलिस घटनास्थल सं साक्ष्य संकलन करि रहल अछि आ मृत शरीर सभ केँ पोस्टमार्टम लेल पठाओल गेल अछि। समस्त मामला पर गंभीरतापूर्वक अनुसन्धान प्रारंभ कय देल गेल अछि, ताकि आत्महत्या केर कारणक सही जानकारी प्राप्त कएल जा सकए।



