6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

राज्य भरि मे 17 अप्रैल सं महिला संवाद, 71 हजार सं बेसी ठाम होयत आयोजन

 

पटना। ग्रामीण विकास विभाग द्वारा 17 अप्रैल सँ राज्यक 71 हजार सँ बेसी ठाम पर महिला संवादक आयोजन कैल जाएत। ई कार्यक्रम करीब 60 दिन धरि चलत। प्रत्येक दिन संवाद दू पालि मे होयत – बिहान 9 बजे सँ 11 बजे तक आ अपराह्न 4 बजे सँ 6 बजे तक।

हर आयोजन मे पहिने 45 मिनट तक महिला लोकनि अपन गाम आ टोला के समस्याक वर्णन करत। ओकरे बाद 45 मिनट तक बिहार सरकारक योजना सभक जानकारी वीडियो फिल्मक माध्यम सँ देल जाएत। 20 मिनट उत्कृष्ट काज करयवाली महिला अपन अनुभव साझा करत। शेष समय स्वागत आ धन्यवाद लेल राखल गेल अछि।

प्रत्येक ग्राम संगठन के संवाद आयोजन पर 16,030 टाका देल जाएत। एहि राशि मे नास्ता, पानि, दरी आ टेंट आदि के खर्च शामिल अछि। एकर पूर्व 15 अप्रैल तक प्रखंड स्तर पर रोस्टर बनाकय प्रशिक्षण देल जाएत। एकर संबंध मे जीविका द्वारा पत्र जारी भऽ चुकल अछि।

महिला सभ द्वारा देल गेल सुझावक संकलन कएल जाएत आ ओहि के एमआईएस सिस्टम मे प्रविष्ट करि जिला स्तरीय समिति क’ भेजल जाएत। ओहि ठाम सँ राज्य स्तर पर अग्रेषित कएल जाएत।

राज्यक जे जिला मे सबसे बेसी संवाद आयोजित होयत, ओहि मे मुजफ्फरपुर, मधुबनी, पूर्वी चंपारण, समस्तीपुर, दरभंगा, पटना आ पूर्णिया प्रमुख अछि। आयोजनक उद्देश्य महिला सभ के सरकारक योजना सँ जोड़ब आ स्थानीय स्तर पर मौजूद समस्या सभ के उजागर करब अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here