9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

रामगढ़क रजरप्पा मंदिर जा रहल श्रद्धालु सं भरल ऑटो पलटला सं ड्राइवरक मृत्यु

 

 

बिहारक नौ श्रद्धालु घायल

 

चितरपुर (रामगढ़)। रामगढ़-बोकारो मार्ग पर चितरपुर रेलवे ओवरब्रिज आरक्षी शिविर के समीप शुक्र कें रजरप्पा मंदिर जा रहल श्रद्धालु सं भरल ऑटो पलटि कए दुर्घटनाग्रस्त भए गेल। एहि हादसामे ऑटो चालकक मृत्यु भए गेल, जखनकि नौ श्रद्धालु घायल भेलाह। बिहारक भागलपुर आ पटना सं कतेको लोक बरकाकाना अपन संबंधी केर घर आयल छल। बरकाकाना सं ऑटो (जेएच02पी-8877) बुक कऽ सभ लोग रजरप्पा मंदिर पूजा-अर्चना लेल जा रहल छल। एहि दौरान आरक्षी शिविरक समीप गोला सं रामगढ़ दिस तेज रफ्तार सं अबैत पिकअप वैन (जेएच 01ईपी-9531) ऑटो सं जोरदार टक्कर मारि देलक, जे कारण ऑटो सड़क पर पलटि कऽ दुर्घटनाग्रस्त भए गेल।

 

हादसाक बाद पिकअप वैन चालक फरार भऽ गेल। सड़क दुर्घटनामे ऑटो चालक बरकाकाना निवासी साजिद राय (50 वर्ष) पुत्र निजावत रायक मृत्यु भऽ गेल। घटनास्थलकें घायलक चीख-पुकार सं अफरा-तफरी मचि गेल। बहुत लोक एकत्र भऽ गेल। सूचना पाबिते रजरप्पा थाना सं एसआई अशोक कुमार, एसआई अखिलेश सिंह, एएसआई संजय सिंह पुलिसक जवान सभक संग घटनास्थलक पहुंचलाह आ ग्रामीणक मदद सं घायलकें सदर अस्पताल रामगढ़ पठाओल गेल। पुलिस दुर्घटनाग्रस्त ऑटो आ पिकअप वैन जब्त कऽ रजरप्पा थाने लऽ गेल।

 

घायलकें बीच बिहारक भागलपुर निवासी कुंदन कुमार (25 वर्ष), संगीता देवी (50 वर्ष) आ पटना निवासी रेखा देवी (50 वर्ष), चंद्रावती देवी (52 वर्ष), बबीता देवी (52 वर्ष), रामपति देवी (60 वर्ष), नेहा कुमारी (25 वर्ष), रानी कुमारी (24 वर्ष), पूजा देवी (35 वर्ष) शामिल छथि। सभकें इलाज सदर अस्पताल रामगढ़ मे चलि रहल अछि, जबकि गंभीर अवस्था केँ देखते हुए बबीता देवी केँ रिम्स (रांची) रेफर कएल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here