कटिहार।
जिलाक सहायक थाना क्षेत्र अंतर्गत ललियाही शिवाजी नगर मे पुलिस एक महत्वपूर्ण कार्रवाई कए अपन तत्परता आ तकनीकी दक्षता केँ प्रमाणित केलक अछि। एएसपी अभिजीत कुमार सिंह एक प्रेस वार्ता मे जानकारी देलनि जे 18 जून केँ शिवाजी नगर निवासी एक व्यक्ति द्वारा सहायक थाना मे एक प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल, जाहिमे उल्लेख छल जे हुनका एक अपरिचित मोबाइल नंबर सं व्हाट्सएप कॉल द्वारा 10 लाख टाका फिरौती माँगल गेल छल। राशि नहि देबाक स्थिति मे पीड़ित आ हुनकर परिवार केँ जान सं मारबाक धमकी देल गेल छल।
मामला गंभीर होयबाक कारण पुलिस अधीक्षकक आदेश पर एक विशेष अनुसंधान टीमक गठन कैल गेल। एसटीएफ केर सहयोग आ तकनीकी साक्ष्यक आधार पर पुलिस टीम किशनगंज जिला सं अभिमन्यु कुमार उर्फ मन्नू कुमार केँ गिरफ्तार करलक। पूछताछ के क्रम मे अभिमन्यु अपन एक साथी अमर कुमार उर्फ अमन कुमारक नाम उजागर केलक, जाहिके ललियाही क्षेत्र सं गिरफ्तार कैल गेल।
पुलिस अनुसंधान मे ई बात सामने आयल जे धमकी देबाक पाछाँ जमीन विवादक कारण छल। आरोपी अमर कुमार आ अभिमन्यु कुमार मिलिक’ पीड़ित पर भय बनाएबाक उद्देश्य सं कुख्यात अपराधी लॉरेंस बिश्नोईक नामक दुरुपयोग केलनि, ताकि धमकी प्रभावशाली प्रतीत होइ।
कटिहार पुलिसक सक्रियता, संगहि तकनीकी अनुसंधानक उपयोग सं एहि प्रकरण केँ शीघ्रता सं सुलझाओल गेल आ अपराधी केँ सलाखा क’ पीछे पठाओल गेल। पुलिस एखनहु एहि मामला मे गहिराई सं अनुसंधान क’ रहल अछि, ताकि एहि साजिश सं संबंधित आर कोनो पहलू बचल नहि रहि जाए।



