6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

शिक्षक बहाली मे बिहारवासी कें भेटत प्राथमिकता

पटना,  अगस्त

आगामी चुनाव सं पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शिक्षक अभ्यर्थी सभ लेल एक महत्वपूर्ण उपहार देलनि अछि। जकर मांग विगत कतेको मास सं लगातार होइत रहल, ओहि विषय पर मुख्यमंत्री स्वयं बुधदिन घोषणा केलनि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोशल मीडिया पर कहलनि जे नवम्बर 2005 मे सरकार बनेबाक उपरान्त हम सभ शिक्षा व्यवस्था मे सुधार हेतु निरंतर प्रयत्नशील छी। शिक्षाक सुदृढ़ीकरण लेल पैघ संख्या मे शिक्षक सभक नियुक्ति कैल गेल अछि।

टीआरई-5 सं पूर्व एटीईटी परीक्षा लेबाक आदेश

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्पष्ट शब्द मे कहलनि जे शिक्षक बहाली प्रक्रिया मे बिहार निवासी (डोमिसाइल) कें प्राथमिकता देबाक लेल शिक्षा विभाग कें संबंधित नियम मे आवश्यक संशोधन करबाक आदेश देल गेल अछि। ई प्रावधान चारिम शिक्षक नियुक्ति परीक्षा सं लागू होयत। वर्ष 2025 मे टीआरई-4 आ वर्ष 2026 मे टीआरई-5 केर आयोजन होयत। टीआरई-5 सं पूर्व एसटेट परीक्षा आयोजित करबाक सेहो निर्देश देल गेल अछि।

तीन दिन पूर्व सड़क पर उतरल छलाह अभ्यर्थी

डोमिसाइल नीति लागू करबाक मांग कें लए कए शिक्षक अभ्यर्थी सभ 1 अगस्त कें पटना मे पैदल मार्च केलनि। मुख्यमंत्री आवासक घेराव करबाक योजना छल। छात्र नेता दिलीप कुमारक नेतृत्व मे सैकड़ो छात्र हाथ मे तिरंगा लेने सीएम आवास दिश प्रस्थान केलनि। मुदा जेपी गोलंबरक निकट पुलिस द्वारा रोकल गेल। पुलिस बैरिकेडिंग कए अभ्यर्थी सभ कें आगू बढ़बाक अनुमति नहि देलक।

अभ्यर्थी सभ बिहार सरकारक विरोध मे जोरदार नारा लगेलनि। ओ सभ डोमिसाइल नीति तुरन्त लागू करबाक मांग केलनि। छात्र नेता दिलीप कुमार कहलनि जे डोमिसाइल नीति बिहारक छात्रक अधिकार छी। दोसर राज्यसभ मे या तं प्रत्यक्ष रूपें, या अप्रत्यक्ष रूपें डोमिसाइल नीति लागू अछि। एहि कारण बिहारक अभ्यर्थी सभ कें दोसर राज्य मे रोजगार प्राप्त करबाक अवसर कम भए जाइत अछि।

किछु राज्यसभ मे परीक्षा प्रक्रिया आ पाठ्यक्रम एहन बनायल गेल अछि जेहि मे ओहि राज्यसं संबंधित प्रश्न अधिक पूछल जाइत अछि, जाहि सं ओ राज्यक स्थानीय अभ्यर्थी कें विशेष लाभ होइत अछि। एहेन असमानताक कारण बिहारक शिक्षित युवावर्ग अपन राज्य मे अधिकारक मांग लए सड़क पर उतरबा लेल विवश भेल अछि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा कएल गेल घोषणा सं स्पष्ट अछि जे राज्यक युवासभक भावनाक सम्मान राखि ओ सबकें शिक्षा क्षेत्र मे विशेष प्राथमिकता देबाक दिशा मे ठोस डेग उठा रहल छथि। एहि निर्णय सं राज्यक शिक्षित नवयुवासभ मे नव आशा जागल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here