9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

समाजक लेल प्रेरणास्रोत छथि माता सीता : अमित शाह

सीतामढ़ी, समदिया

सियावर रामचन्द्र की… जय! अहां सभ पवित्र समारोह मे उपस्थित संतजनकें प्रणाम करैत छी। एहि शब्द सं शुक्रक दिन बिहारक सीतामढ़ी मे पुनौराधाम मंदिरक भूमिपूजन आ शिलान्यास उपरान्त भारतक गृह मंत्री अमित शाह अपन संबोधन शुरू केलनि। ओ कहलनि जे ई दिन केवल मिथिलाक लेल नहि, बल्कि सम्पूर्ण बिहार, देश आ संसारक लेल शुभ अवसर अछि। शाहक कथनानुसार, माता सीताक जन्मस्थली पुनौराधाम मंदिर मे ई महत्त्वपूर्ण कार्य सम्पन्न भए रहल अछि।

शिलान्यास सं पूर्व वैदिक मंत्रोच्चार आ विधि-विधान संग भूमि पूजन संपन्न भेल, जतए गृह मंत्री अमित शाह, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, विभिन्न मंत्रीगण आ देश-विदेश सं आयल साधु-संत लोकनि सहभागी भेलाह। भूमि पूजनक निमित्त 21 तीर्थ क्षेत्रक पवित्र माटि आ 31 पवित्र नदीक जल मंगायल गेल छी।

समारोहक दौरान जनसभा कें संबोधित करैत गृह मंत्री अमित शाह कहलनि जे 68 एकड़ क्षेत्रफल मे 890 करोड़ रुपैयाक लागति सं माता जानकीक भव्य मंदिर निर्माण कएल जाएत। ओ अपन भाषण मे एसआईआर (सीमापार अवैध प्रवेश) विषय पर आरजेडी आ कांग्रेस पर प्रहार करैत कहलनि जे जं घुसपैठियाक वोट चाहब, तं बिहारक जनताकें ई कदापि स्वीकार नहि होयत।

एहि अवसर पर गृह मंत्री अमित शाह द्वारा बिहार केँ एकटा आओर अमृत भारत रेल सेवाक सौगात सेहो देल गेल, जे राज्यक यात्रासुविधा आ धार्मिक पर्यटनक विकास मे योगदान देत।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक प्रशंसा करैत ओ कहलनि जे बिहार सरकार एहि पवित्र धामक विकास मे उल्लेखनीय योगदान देने छथि। ओ स्पष्ट केलनि जे मिथिला केवल मिथिला संस्कृतिक प्रतीक नहि, बल्कि भारतीय संस्कृतिक अनुपम रत्न अछि। अकालक काल मे जेना राजा जनक हर चलौलनि आ ताहि समय माता जानकीक अवतरण भेल, तहिना भूमि पूजनक अवसर पर सेहो वर्षा भए रहल अछि।

गृह मंत्री जानकारी देलनि जे 890 करोड़ रूपैयाक लागति सं एहि स्थान पर माता जानकीक भव्य स्मारक आ मंदिर निर्माण भए रहल अछि। वर्तमान मंदिरक जीर्णोद्धार लेल 137 करोड़ रुपैया खर्च होयत। शाह द्वारा एहि परियोजना मे सम्मिलित अन्य कार्य सभक विवरण सेहो देल गेल – वाल्मीकिनगर मे 52 करोड़, मधुबनीक फुलहर स्थान लेल 31 करोड़, सीतामढ़ीक पंथपाकर लेल 24 करोड़, अहिल्या स्थान लेल 23 करोड़, रामरेखा घाट लेल 13 करोड़ तथा मुंगेर-गया मे सीताकुंड लेल 7 करोड़ रुपैयाक विकास कार्यक योजना बनल अछि।

शाह कहलनि जे राम आ सीताक भेंट स्थल सं लए कए हुनक जीवन सं सम्बद्ध प्रत्येक स्थलक पुनर्जीवन कयल जाएत। माता सीता आदर्श कन्या, आदर्श पत्नी, आदर्श माता आ आदर्श राजमाताक रूप मे संपूर्ण समाजक लेल प्रेरणास्रोत छथि।

रेल विकास संदर्भ मे शाह कहलनि जे पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादवक समय मे बिहारक रेल विकास लेल प्रतिवर्ष 1132 करोड़ रुपैया खर्च होइत छल, जहनकि मोदी सरकार 2025-26 मे मात्र बिहारक रेल विकास लेल 10 हजार करोड़ सं बेसी बजट आवंटित केने अछि। सीतामढ़ी-नई दिल्ली अमृत भारत रेल सेवा लेल प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ रेल मंत्री अश्विनी वैष्णवक प्रति धन्यवाद ज्ञापन सेहो देल गेल।

एहि उपक्रम सं पूर्व गृह मंत्री अमित शाह आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा मंदिर मे पूजा-अर्चना सम्पन्न कएल गेल। एकर बाद दुनू नेता संयुक्त रूप सं निर्माण स्थल पर भूमिपूजन आ शिलापट्ट अनावरण कएलनि। एहि अवसर पर स्वास्थ्य मंत्री मंगल पांडे द्वारा अमित शाहकें अंगवस्त्र सं सम्मानित कएल गेल, जहनकि मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकें स्मृति चिह्न भेंट देल गेल।

सीतामढ़ी-नई दिल्ली अमृत भारत कें देखाओल गेल ‘हरी झंडी’

सीतामढ़ी-दिल्ली अमृत भारत रेल सेवा कें हरी झंडी गृह मंत्री शाह सीतामढ़ी-दिल्ली अमृत भारत रेल सेवा के हरी झंडी देखौलनि। प्रधानमंत्री मोदी द्वारा ई सेवा विशेष रूप सं पवित्र स्थल पर आवयबला श्रद्धालु सभक सुगम यात्रा लेल स्वीकृत कएल गेल अछि। शाह सोशल मीडिया पर लिखलनि जे आइ सम्पूर्ण राष्ट्र आ विशेषतः मिथिलाक लेल अति शुभ आ आनंदमय दिन अछि, जखन बिहारक सीतामढ़ी स्थित माता सीताक जन्मभूमि पवित्र पुनौराधाम मंदिर आ ओकर परिक्षेत्रक व्यापक विकास योजनाक आधारशिला राखल जाएत।

प्रसादक कएल गेल वितरण
जानकी मंदिरक शिलान्यास अवसर पर देश भरि सं आयल संतजन लेल महावीर मंदिर द्वारा संचालित एसीता रसोई सं निःशुल्क भोजन (प्रसाद)क विशेष व्यवस्था कएल गेल छल। भक्तजनक बीच 12 हजार नवैद्यम सं बेसी लड्डू वितरण कयल गेल अछि। ई जानकारी बिहार राज्य धार्मिक न्यास पर्षद आ महावीर मंदिर न्यास समिति सदस्य सायन कुणाल द्वारा देल गेल। ओ कहलनि जे संतजन लेल खीर, कचौड़ी, सब्जी, चटनी, रोटी आ बिना चीनीक विशेष खीरक प्रसाद तैयार कएल गेल। भोजनक व्यवस्था महंत कौशल किशोर दासक आवासीय परिसर मे कएल गेल छल, जतए लगभग 2000 संतक आगमन भेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here