खजौली, समदिया
खजौली रेलवे विभाग द्वारा रविवार दिन खजौली रेलवे स्टेशन पर रेल आरक्षण टिकट काउंटरक शुभारंभ कयल गेल। मुख्य आरक्षण पर्यवेक्षक विजय कुमार वर्मा आ मुख्य वाणिज्य निरीक्षक दिलीप कुमार संयुक्त रूप सं काउंटरक उद्घाटन कएलनि। एहि अवसर पर खजौली प्रखंड क्षेत्रक लोकमे उल्लास देखबा योग्य छल, किएक तए आब रेल यात्राक आरक्षित टिकट पाबय लेल बाहर नहि जाए पड़त।
उल्लेखनीय अछि जे आरक्षण टिकट काउंटरक स्थापना खजौलीक चिरलम्बित मांग छल। स्थानीय जनप्रतिनिधि आ बुद्धिजीवी निरंतर एहि दिशा मे प्रयासरत छलाह। आखिरकार रेल विभाग लोकक मांगक गम्भीरता बुझि तत्काळ खजौली मे आरक्षण टिकट काउंटर संचालनक अनुमति प्रदान कयलक।
जानकारी अनुसार करीब एक दशक पूर्वहि खजौली रेलवे स्टेशन पर आरक्षण भवन सह काउंटरक निर्माण भेल छल, मुदा उद्घाटन नहि भेल रहबाक कारण स्थानीय लोक निराश छलाह। आब रेल विभागक निर्णय सं ओ निराशा दूर भेल अछि। सीआरएस वर्मा जानकारी देलनि जे नव उद्घाटित आरक्षण टिकट काउंटर सोमवार सं शनिवार धरि प्रातः 8 बजे सं अपराह्न 2 बजे धरि संचालित रहत। एहि काउंटर सं यात्री देशक विभिन्न रेलवे स्टेशनों लेल आरक्षित टिकट प्राप्त कए सकताह।
शुभारंभक अवसर पर प्रभारी स्टेशन मास्टर दिलीप कुमार ठाकुर, मुख्य वाणिज्य लिपिक अमित कुमार, प्रवेश कुमार राम आ मिथिलेश शर्मा उपस्थिति दर्ज केलनि। आरक्षण टिकट काउंटर चालू भेलाक उपरान्त समाजसेवी दिलीप कुमार, पूर्व जिला पार्षद वीरेंद्र प्रसाद यादव, अमरेश कुमार सिंह, विधायक प्रतिनिधि राम कुमार सिंह, सांसद प्रतिनिधि शत्रुघ्न राउत, भाजपा नेता शंभू नाथ ठाकुर आ सुमित कुमार सहित स्थानीय प्रतिनिधिसभ आ बुद्धिजीविसभ प्रसन्नता व्यक्त कएलनि आ रेल विभागक अधिकारीसभ कें साधुवाद देलनि।



