9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

हजारीबाग मे मुठभेड़, तीन इनामी नक्सली ढेर एके-47 बरामद, दू जवान घायल

 

एक करोड़क  इनामी सहदेव सोरेन सेहो मारल गेल

 

हजारीबाग। गोरहर थाना क्षेत्रक पाती पिरी जंगल मे सोम दिन पुलिस आ नक्सली सभक बीच भेल मुठभेड़ मे तीन कुख्यात नक्सली मारल गेल। ढेर होइतरामे नक्सली संगठनक केंद्रीय समिति सदस्य सहदेव सोरेन उर्फ परवेश सेहो शामिल अछि, जाहि पर एक करोड़ टाका इनाम घोषित छल।

 

ई कार्रवाई मे कोबरा-209 बटालियन आ हजारीबाग पुलिसक संयुक्त टीम सम्मिलित छल। सुरक्षा एजेंसी सभक लेल सहदेव सोरेनक मृत्यु बड़ी उपलब्धि मानल जा रहल अछि, कारण कि ओ लंबे समय सँ सक्रिय रहि कतेको पैघ घटनाक अंजाम देने छल।

 

मुठभेड़ मे दू जवान सेहो घायल भेलाह। घायल सभ मे असमक अजय भौमिक (कोबरा 209 बटालियन सिपाही) आ पश्चिम बंगालक सुब्रतो विश्वास (कोबरा जवान) शामिल छथि। दुनू केँ पहिने बरही अनुमंडलीय अस्पताल मे प्राथमिक उपचारक बाद सदर अस्पताल रेफर कएल गेल।

 

ढेर नक्सली सभ मे रघुनाथ हेंब्रम सेहो शामिल छल, जे बिहार-झारखंड विशेष क्षेत्र समिति क सदस्य रहि 25 लाख टाकाक इनामी छल। तेसर नक्सली बीरसेन गंझू उर्फ रामखेलावन रहलक, जे क्षेत्रीय समिति क सदस्य आ 10 लाख टाकाक इनामी छल।

 

तीनू नक्सली झारखंड-बिहार सीमावर्ती इलाकामे सक्रिय रहि हत्या, लूट आ हमला जेहन कतेको संगीन घटनामे संलिप्त रहलाह।

 

मुठभेड़ स्थल सँ पुलिस एके-47 सहित कतेको घातक हथियार बरामद केलक। हजारीबाग एसपी अंजनी अंजन पुष्टि करैत कहलनि जे ई सुरक्षा बलक लेल महत्वपूर्ण सफलता अछि। हुनकर अनुसार नक्सली गतिविधि पर पैनी नजर राखल जा रहल अछि आ मुठभेड़क बाद संपूर्ण इलाकामे सघन सर्च अभियान शुरू कएल गेल अछि।

 

सुरक्षा बलक एहि कार्रवाई सँ नक्सली संगठन केँ भारी झटका भेटल अछि आ आगामी दिनमे नक्सल प्रभावित क्षेत्रमे पुलिसक पकड़ आओर मजबूत होयबाक संभावना अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here