6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

हथियार तस्करी गिरोहक भंडाफोड़, 3 तस्कर गिरफ्तार

खगड़िया, समदिया

बिहार एसटीएफ आ खगड़िया पुलिसक संयुक्त कार्रवाई द्वारा महेशखूंट थाना क्षेत्र मे हथियार तस्करी करयवला गिरोहक पर्दाफाश भेल अछि। 8 अगस्त 2025 कें तीन तस्कर — कृष्णा कुमार सिंह, रोहित कुमार उर्फ रोशन कुमार, आ सोनू कुमार कें अवैध आग्नेयास्त्र आ आन समानक संग गिरफ्तार कयल गेल।

तस्कर सभ सं 06 देसी पिस्टल, 12 मैगजीन, 5 जिंदा कारतूस, 2 मोबाइल फोन आ 2 मोटरसाइकिल बरामद कयल गेल अछि। एहि सफल अभियान सं क्षेत्र मे कानून व्यवस्था कए मजबूती देबाक आशा व्यक्त कयल गेल अछि। पुलिस एहन संगठित अपराधक खिलाफ कठोर कार्रवाई जारी रखबाक लेल प्रतिबद्ध अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here