पटना, समदिया
पटना मे गंगा पथ पर दीघा से एलसीटी घाट तक वेंडिंग जोन, पार्किंग, ग्रीन बेल्ट आ पाथवे कहां बनत, एकर लेल जगह निर्धारित क’ लेल गेल अछि। एहि निर्धारणक निर्णय गुरुवार क’ डीएम डॉ. चंद्रशेखर सिंह, एसएसपी राजीव मिश्रा आ नगर आयुक्त अनिमेष कुमार पराशर द्वारा जेपी गंगा पथक संयुक्त निरीक्षणक दौरान कएल गेल। एहि समय ट्रैफिक व्यवस्था, भीड़ प्रबंधन आ जन सुविधाक सेहो जायजा लेल गेल।
100 मीटरक दायरा मे नो-वेंडिंग जोन
निरीक्षणक बाद निर्णय लेल गेल जे दीघा रोटरी (अटल पथ-जेपी गंगा पथक मिलन स्थल) के चारु दिस 100 मीटरक परिधि मे नो-वेंडिंग जोन बनाओल जायत। एहि क्षेत्र मे कोनो प्रकारक व्यावसायिक गतिविधिक अनुमति नहि देल जायत। अपर जिला दंडाधिकारी क’ विधि व्यवस्था क’ पालन सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल।
100 मीटरक बाद 1.5 किमी मे वेंडिंग जोन
100 मीटरक बाद जेपी गंगा पथक उत्तरी छोर पर एलसीटी घाट तक लगभग 1.5 किमी दूरी मे वेंडिंग जोन बनाओल जायत। वेंडिंग जोनक दुनु दिस पार्किंगक व्यवस्था रहत। एहि पार्किंग स’ एलसीटी घाट तक ग्रीन बेल्ट आ पाथवे क’ निर्माण कएल जायत, जे नो-वेंडिंग जोन रहत। एहि क्षेत्र मे सैर कर’ वला लोकक लेल उत्कृष्ट व्यवस्था कएल जायत, जाहि मे बेंच आ अन्य आवश्यक प्रबंध रहत।
आयुक्त कार्यालय स’ दीघा तक जेपी गंगा पथक दक्षिणी छोर पूर्णतः नो-वेंडिंग जोन: आयुक्त कार्यालय स’ दीघा तक जेपी गंगा पथक दक्षिणी छोर पूर्णतः नो-वेंडिंग जोन रहत आ एकरा ग्रीन बेल्ट क’ रूप मे विकसित कएल जायत। जिलाधिकारी कहला जे उपरोक्त व्यवस्था क’ अनुसार पटना स्मार्ट सिटी लिमिटेड द्वारा तेजी स’ काज कएल जा रहल अछि। सीमांकनक काज पूरा क’ लेल गेल अछि आ वेंडर्सक सर्वेक्षण सेहो क’ रहल अछि। नियमानुसार रेंट फिक्स क’ नगर निगम द्वारा आगू क’ कार्रवाई कएल जायत।



