9.3 C
London
Thursday, January 15, 2026

11 मेधावी विद्यार्थी कें देल गेल 1.10 लाख टाका प्रोत्साहन राशि

मधुबनी, समदिया 

अयाची नगर युवा फाउंडेशनक सौजन्य सं सरिसब-पाही स्थित लक्ष्मीश्वर एकेडमीक प्रांगण मे एक भव्य पुरस्कार वितरण समारोहक आयोजन कैल गेल। कार्यक्रमक शुभारंभ दीप प्रज्वलनक संग भेल, जे आगंतुक अतिथि माया नाथ मिश्र, शांति नाथ मिश्र, अशर्फी कामती, मदन झा, मधुकर झा आ विद्यालयक प्रधानाध्यापक चन्द्र मोहन ठाकुर द्वारा संयुक्त रूपेण कएल गेल। सभ अतिथि कें पारंपरिक मिथिला रीति अनुसार पाग आ चादर ओढ़ा क’ सम्मानित कैल गेल। स्वागत भाषण मदन झा प्रस्तुत केलनि, जखन कि कार्यक्रमक रूपरेखा संस्था के संस्थापक विक्की मंडल द्वारा रखल गेल।

समारोहक मुख्य आकर्षण विद्यालयक 11 मेधावी छात्र-छात्रासभक सम्मान रहल, जाहिमे हुनका लोकनि कें कुल 1,10,000 टाका प्रोत्साहन राशि, मोमेंटो आ प्रशस्ति-पत्र प्रदान कैल गेल। दसवीं कक्षा मे सर्वोच्च स्थान प्राप्त शिवम कुमार कें उषाकर झा स्मृति स्कॉलरशिप देल गेल। एकर अतिरिक्त बॉयज टॉपरक रूप मे ओहि छात्र कें डॉ. हेतुकर झा स्मृति स्कॉलरशिप सेहो भेटल। बॉयज सेकंड टॉपर सागर कुमार कें डॉ. योगाकर झा स्मृति स्कॉलरशिप प्रदान कैल गेल। गर्ल्स टॉपर शालिनी कुमारी कें डॉ. चेतकर झा स्मृति स्कॉलरशिप आ दोसर स्थान प्राप्त प्रिया कुमारी कें डॉ. प्रभाकर झा स्मृति स्कॉलरशिप भेटल।

बाहरवीं कक्षाक साइंस टॉपर बब्लू कुमार कें गौरीनाथ झा स्मृति स्कॉलरशिप, आर्ट्स टॉपर गुड्डी कुमारी कें विनोद झा (सेवानिवृत्त आईएएस) स्मृति स्कॉलरशिप आ दोसर स्थान प्राप्त अन्नू कुमारी कें लेखनाथ मिश्र स्मृति स्कॉलरशिप देल गेल। कॉमर्स संकायक टॉपर सुमन कुमारी कें डॉ. योगाकर झा स्मृति स्कॉलरशिप आ दोसर स्थान प्राप्त आयुष कुमार कें शंकर झा स्मृति स्कॉलरशिप भेटल। तीनू संकाय मे संयुक्त रूपेण गर्ल्स टॉपर बनल गुड्डी कुमारी कें प्रोफेसर अच्युतकर झा स्मृति स्कॉलरशिप अन्तर्गत अतिरिक्त 10,000 केर चेक प्रदान कैल गेल।

कार्यक्रम मे संबोधन दैत सदन झा छात्र-छात्रा सभ सं अपील केलनि जे ओ अपन जीवन मे कतबो ऊँचाइ पर पहुँचथि, अपन गाम, समाज आ विद्यालयक योगदान कें कखनो नहि बिसरथि। मधुकर झा अपन प्रेरणादायक वक्तव्य मे कहलनि जे अनुशासनक अनुपस्थिति मे कोनो लक्ष्यक प्राप्ति असंभव थीक, तें विद्यार्थी कें सदति अनुशासित रहबाक चाही।

समारोहक मंच संचालन अक्षय कुमार झा द्वारा प्रभावशाली ढंग सं कएल गेल। एहि अवसर पर विद्यालय परिवार, अभिभावकगण आ स्थानीय बुद्धिजीवी वर्गक उपस्थिति उत्साहजनक रहल। अयाची नगर युवा फाउंडेशनक एहि प्रयास सं छात्र-छात्रा मे शिक्षा प्रति नव ऊर्जा आ प्रेरणाक संचार देखल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here