6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

छठि व्रती कें नहि होइन कोनो परेशानी, तें सरकार नगर निकाय कें देलक 25 करोड़क राशि

पटना, समदिया

नगर विकास एवं आवास मंत्री नितिन नवीन द्वारा छठ घाट सभक तैयारीक जानकारी लेल गेल। ओतहि छठ व्रती सभकें पूजाक दौरान कोनो असुविधा नहि हो, एहि लेल प्रदेश भरिक नगर निकाय सभ कें विभागक दिस सं 25 करोड़ टकाक राशिक स्वीकृति देल गेल। एहि राशि सं सभ घाट पर बेरिकेडिंग, शौचालय, चेंजिंग रूम, स्ट्रीट लाइट, वॉच टॉवर आ अन्य आवश्यक व्यवस्था करबाक निर्देश मंत्री देलनि। हुनकर कहब अछि जे छठि हम बिहारवासी सभक स्वाभिमान अछि आ अपन स्वाभिमानक चिंता हम सभ सदिखन करैत छी। एहि वर्ष छठि पूजाक दौरान व्रती सभकें कोनो प्रकारक असुविधा नहि हो, एकरा ध्यान मे राखि 25 करोड़ टकाक स्वीकृति देल गेल अछि।

मंत्री नितिन नवीन कहलनि जे छठ पूजाक लेल पटना समेत सभ नगर निकाय कें राशि अवंटित कएल गेल अछि, जाहि मे पटना नगर निगम कें 12 करोड़ आ अन्य 18 नगर निगम सभकें कुल 1 करोड़ 80 लाख टकाक स्वीकृति देल गेल अछि। एकरा अलावा, प्रत्येक नगर परिषद कें 4 लाख आ प्रत्येक नगर पंचायत कें 3 लाख टकाक राशि देल गेल अछि। ओतै, औरंगाबादक देव नगर पंचायतक छठि पूजा लेल 10 लाख टकाक राशि स्वीकृत देल गेल अछि। संगहि पटना डीएम कें विधि व्यवस्था आ जन सुविधा उपलब्ध करेबा हेतु 3 करोड़ टकाक राशि आवंटित कएल गेल अछि। दीपावलीक बाद नदी आ पोखरिक आसपास घर सभ सं निकलि रहल मूर्ति आ पूजन सामग्रीक विसर्जन लेल खास व्यवस्था (विसर्जन लेल एकटा अलग स्थानक निर्धारण) करबाक निर्देश देल गेल अछि, ताकि नदी आ पोखरि मे गंदगी नहि हो।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here