– बैलेट पत्र मे नाम त्रुटि पर तेजप्रतापक प्रत्याशीक हंगामा, पुलिस उठा कए लए गे
पटना, समदिया
पटना विश्वविद्यालय छात्रसंघ चुनाव लेल मतदान समाप्त भए गेल अछि। कुल 37.84 प्रतिशत मतदान दर्ज कएल गेल। मतदान दौरान पटना साइंस कॉलेज मे गोली चलला सं दहशत पसरि गेल। पुलिस घटनास्थल सं एक खोखा बरामद कएने अछि। गोली केकरा द्वारा चलाओल गेल, एहि संबंध मे जांच जारी अछि। एहि सं पूर्व पटना कॉलेज मे अध्यक्ष पद लेल ठाढ़ तेजप्रतापक प्रत्याशी रिंकल यादव कें पुलिस गिरफ्तार कएलक। गिरफ्तारीक विरोध मे छात्र सभ पीरबहोर थाना समक्ष हंगामा कएलनि। पुलिस रिंकल कें कुलपति कार्यालय लए जा रहल छल, तखने छात्र सभ नारेबाजी प्रारंभ कएलक, पीयू मुर्दाबाद आ वाइस चांसलर मुर्दाबादक नारा लगाओल गेल। किछु छात्र कुलपति कार्यालयक द्वार समक्ष भूमि पर लेटि विरोध दर्ज कएलनि।
पुलिस रिंकल यादव कें उठाकए वाहन मे बैसौलक, किन्तु ओ अपन पैर बाहर निकालि देलनि। एकर बाद पुलिस पैर भीतर कए थानापर लए गेल। एहि क्रम मे छात्र आ पुलिस बीच धक्का-मुक्की सेहो भेल। परिसर मे तनावपूर्ण स्थिति देखल गेल। छात्र सभक आरोप अछि जे नामांकन काल रिंकल यादव नाम अंकित छल, मुदा मतदान समय बैलेट पत्र मे रिंकल कुमार लिखल गेल। छात्र सभक कथन अनुसार ओ विगत पांच वर्ष सं विश्वविद्यालय मे छात्र हित लेल संघर्षरत छथि।
बीएन कॉलेज मे पहचान-पत्र नहि रखनिहार छात्र सभ कें मतदान सं वंचित कएल गेल, जाहि सं ओ नाराज छथि। छात्र रौनक कहलनि जे अनेक बेर आवेदन देला उपरांत सेहो किछु छात्र कें पहचान-पत्र नहि भेटल। मूल नामांकन पर्ची रहितो मतदान नहि करए देल जा रहल अछि। पीयू छात्रसंघ चुनाव मे केंद्रीय पैनलक पांच पद लेल 41 प्रत्याशी आ काउंसलर पद लेल 45 प्रत्याशी मैदान मे छथि। अध्यक्ष पद लेल 11, महासचिव लेल 9, उपाध्यक्ष लेल 8, संयुक्त सचिव लेल 6 आ कोषाध्यक्ष पद लेल 7 प्रत्याशी प्रतिस्पर्धा मे छथि। छात्र सभ अपराह्न 2:30 बजे धरि मतदान कए सकैत छथि। सुरक्षा दृष्टि सं विभिन्न महाविद्यालय मे पुलिस बल तैनात अछि। सांझ 4:10 बजे सं पटना आर्ट्स कॉलेज मे मतगणना प्रारंभ होएत, परिणाम रात्रि मे घोषित होएबाक संभावना अछि।
दोपहर मे पटना साइंस कॉलेज मे मतदान दौरान बुलेट मोटरसाइकिल सवार युवक सभ दू राउण्ड गोली चलौलक। सौभाग्यवश कोइ घायल नहि भेल। आशंका अछि जे दहशत फैलाबय उद्देश्य सं ई कृत्य कएल गेल।
प्रातःकाल मतदानक गति मंद रहल। पूर्वाह्न 11 बजे धरि पटना वीमेंस कॉलेज मे 32 प्रतिशत, पटना लॉ कॉलेज मे 27 प्रतिशत, आर्ट्स कॉलेज मे 18 प्रतिशत, कॉमर्स कॉलेज मे 13 प्रतिशत, पटना कॉलेज मे 16 प्रतिशत आ पटना साइंस कॉलेज मे 16 प्रतिशत मतदान दर्ज कएल गेल।



