6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

राजस्थानक केमिकल फैक्टरी मे जिंदा जरि गेल 5 बिहारी

– पांचो व्यक्ति पूर्वी चंपारणक निवासी अछि

पटना, समदिया

भिवाड़ी, राजस्थान मे एक केमिकल फैक्टरी मे भीषण दुर्घटना भेल। कारखाना मे एक केर बाद एक अनेक विस्फोट भेल, जाहि सं विकराल आगि लागि गेल। एहि दुर्घटना मे 8 मजदूर जीविते जरि कए मरि गेलाह, जाहि मे 5 मजदूर मोतिहारी (जिला पूर्वी चंपारण) केर निवासी छलाह। दुर्घटना काल मे कारखाना मे 25 मजदूर कार्यरत छलाह। अनेक श्रमिक झरकि कए गम्भीर रूप सं आहत भेल छथि। पूर्वी चंपारण मे एहि घटना सं शोकक वातावरण व्याप्त अछि। मृत 5 मजदूर ओहि क्षेत्रक निवासी बताओल जा रहल अछि। मृतक मे सं दू गोटेक पहिचान भए गेल अछि आ हुनक परिजन भिवाड़ी लेल प्रस्थान कए चुकल छथि।

मृतक मे शिकारगंज थाना क्षेत्रक हराज नारायणपुर ग्राम निवासी शिवजी पासवानक पुत्र सुजंत कुमार (20 वर्ष) तथा घोड़ासहन थाना क्षेत्रक कवइया ग्राम निवासी सिकंदर पासवानक पुत्र मिंटू पासवान (22 वर्ष) शामिल छथि। शिवजी पासवान जनौलनि जे हुनक बहिन आ पुत्री ओतहि रहैत छथि। बहिन फोन कए अग्निकाण्ड मे सुजंत आ मिंटूक मृत्युक सूचना देलनि। हुनकर कथनानुसार आठ गोट मजदूरक मृत्युक समाचार भेटल अछि। सुजंत कुमार होली पर्व पर घर आबय बला छलाह, मुदा तकर पूर्वहि हुनक मृत्युक दुःखद समाचार भेटल। गृहिणी लाल चुन्नी देवी जनौलनि जे 20 फरवरीक टिकट कटल छल आ ओ होली मनाबय लेल गाम आबय बला छलाह। एहि क्षेत्र सं बहुत संख्या मे लोक राजस्थान स्थित ओहि केमिकल फैक्टरी मे कार्य करैत छथि। घटना स्मरण करैत-करैत परिजन भावविह्वल भए गेलाह।

समाचार संस्थाक अनुसार भिवाड़ीक औद्योगिक क्षेत्र स्थित केमिकल फैक्टरी मे क्रमशः चारि गोट विस्फोट भेल। विस्फोट आ अग्निकाण्डक दृश्य सीसीटीवी फुटेज मे सेहो देखल गेल अछि। विस्फोट सं आसपासक संपूर्ण क्षेत्र दहलि उठल। लगभग छह घंटा धरि दस दमकल दल आगि पर नियंत्रण पाबय मे जुटल रहल। दुर्घटनाक बाद राहत आ उद्धार कार्य निरंतर जारी अछि। नरेंद्र मोदी तथा राजस्थानक मुख्यमंत्री भजन लाल शर्मा एहि दुर्घटना पर गहन शोक व्यक्त कए शोकाकुल परिवारक प्रति संवेदना प्रकट केलनि। कारखाना सं एखन धरि सात गोट जरल शव बरामद कएल जा चुकल अछि।

मृत मजदूरक सम्बन्ध मे ग्रामीण सभ जनौलनि जे एहि दुर्घटना सं सम्पूर्ण क्षेत्र मे शोक आ दुख व्याप्त अछि। टोला मे कोनो घर मे भोजन नहि बनल अछि। अनेक अन्य व्यक्ति सेहो जीविकोपार्जनक हेतु अन्य राज्य मे निवास करैत छथि। ओतय कतेक जोखिमपूर्ण कार्य करैत छथि, एकर समुचित जानकारी ककरो नहि रहैत अछि। एहि घटनाक बाद लोक सभ अपन स्वजनक सुरक्षा कें लए अत्यन्त भयभीत आ चिन्तित छथि।

सीएम जतौलनि दु:ख, आश्रित कें भेटत दू-दू लाखक मुआवजा

एमहर, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि दुर्घटना कें अत्यन्त दुखद बतबैत बिहारक पांच मजदूरक मृत्युपर गहन शोक प्रकट केलनि। मुख्यमंत्री राहत कोष सं प्रत्येक मृतकक आश्रित कें 2-2 लाख रूपैया अनुग्रह अनुदान देबाक निर्देश देल गेल अछि। संगहि, स्थानिक आयुक्त, नई दिल्ली कें निर्देशित कएल गेल अछि जे राजस्थान सरकार सं आवश्यक समन्वय स्थापित कए मृतकक पार्थिव शरीर कें बिहार अनबाक समुचित व्यवस्था सुनिश्चित कएल जाए।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here