6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

गृह विभाग मे 60 हजार पद पर होयत बहाली, पुलिस दीदीक कएल जायत गठन : सम्राट चौधरी

– सम्राट चौधरी कहलनि, सभ स्कूल आ कॉलेज मे उपलब्ध कराओल जायत सुरक्षा

पटना, समदिया

बिहारक गृह विभाग मे 60 हजार पद पर बहाली होयत। राज्य मे पुलिस दीदीक गठन कएल जाएत। सभ स्कूल आ महाविद्यालय कें सुरक्षा उपलब्ध कराओल जायत। सूबेक उपमुख्यमंत्री सह गृह मंत्री सम्राट चौधरी शुक्रदिन विधानसभा मे ई घोषणा कएलनि। ओ बिहार मे नव उच्च सुरक्षा कारागार आ भागलपुर मे नव मुक्ति कारागार बनेबाक सेहो ऐलान कएलनि।

बिहार विधानसभा मे बजट सत्रक दौरान गृह मंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे वर्ष 2025 मे बिहार मे होमगार्डक 15,000 पद पर बहाली भेल। एहि मे सं 11,438 केर नामांकन भए चुकल अछि, शेषक प्रक्रिया जारी अछि। आगू सेहो पुलिस बल मे व्यापक स्तर पर बहाली कएल जाएत। ओ कहलनि जे मात्र पुलिस बल मे लगभग 31,000 कर्मीक नियुक्ति कएल जाएत। एकर अतिरिक्त 13,500 गृह रक्षकक बहाली होएत। संगहि राज्य सरकार पैरा मिलिट्री बलक माध्यम सं 17,000 एसएपी जवानक नियुक्तिक निर्णय लेने अछि। एहि प्रकारें गृह विभाग मे कुल 60,000 सं अधिक पद पर बहाली होयत।

सम्राट चौधरी कहलनि जे बिहार मे अग्निकांडक घटना घटाबय लेल तकनीकक प्रयोग कएल जा रहल अछि। विगत किछु वर्ष मे नीतीश सरकार एहि व्यवस्था कें सुदृढ़ कएने अछि। आब एआई आधारित अग्नि पूर्वानुमान स्वचालन चरण–2 लागू कएल जाएत, जाहि सं आगि लगबाक घटनाक पूर्वहि चेतावनी भेटत। फायर इंजीनियरिंग सेल सेहो गठित कएल जाएत।

जेल मे बंदी सं भेंट कएनिहार पर सरकार राखत नजरि

गृह मंत्री कहलनि जे बिहारक सभ कारागार मे सीसीटीवी कैमरा द्वारा ऑनलाइन निगरानी कएल जाएत। कोन अपराधी सं के भेंट करय आएल, एकर समस्त जानकारी सरकार लग उपलब्ध रहत। ओ कहलनि जे बिहार पहिल राज्य अछि जतय कारागारक भीतर बंदी सभ सं बेसी अध्ययन करैत अछि।

उपमुख्यमंत्री अपन संबोधन मे कहलनि जे बिहार मे एंटी रोमियो स्क्वॉड केर तर्ज पर गठित अभया ब्रिगेड कें पुलिस दीदीक रूप मे संगठित कएल जाएत। एहि सं स्कूल आ महाविद्यालयक सुरक्षा सुदृढ़ होयत। सरकार 1,500 स्कूटी आ 2,500 मोटर साइकिल क्रय करबाक प्रक्रिया मे अछि। शिक्षण संस्थान मे अध्ययनरत छात्रा सभ कें सुरक्षा प्रदान कएल जाएत।

पुलिस लाइन मे बनत जीविका रसोई

सम्राट चौधरी कहलनि जे बिहारक सभ 40 पुलिस लाइन मे पटनाक तर्ज पर जीविका दीदीक रसोई स्थापित कएल जाएत। संगहि पुलिस लाइन मे निवास कएनिहार कर्मी सभक बालक-बालिकाक शिक्षा लेल ओतय विद्यालय खोलल जाएत। प्रत्येक पुलिस लाइन मे एक-एक विद्यालय स्थापित होएत। एकर अतिरिक्त अग्निवीर सभ कें बिहार पुलिसक बहाली मे आरक्षण प्रदान कएल जाएत।

बाक्स

बेचाराक बाद ब्राह्मणवाद पर भिड़लाह माननीय

फोटो : विजय

बिहार विधानसभाक बजट सत्रक 14म दिन सदन मे जोरदार हंगामा देखल गेल। माले विधायक संदीप सौरभ सदन मे अपन वक्तव्य दैत आरोप लगौलनि जे ब्राह्मणवादी मानसिकताक लोक सभ यूजीसी इक्विलिटी एक्ट कें लागू नहि होमय देबय चाहैत छथि। हुनकर एहि वक्तव्यक बाद सत्तापक्षक सदस्य सभ आपत्ति जतौलनि। तकरा बाद दुनू पक्ष सं नारेबाजी प्रारंभ भए गेल। उपमुख्यमंत्री विजय सिन्हा कहलनि जे एहन भाषाक प्रयोग उचित नहि अछि।

वस्तुतः कार्य स्थगन प्रस्तावक माध्यम सं पालीगंज सं माले विधायक संदीप सौरभ शिक्षण संस्थान सभक विषय मे अपन बात रखैत छलाह। एहि क्रम मे ओ कहलनि जे उच्च शिक्षण संस्थान सभ मे जाति आधारित भेदभाव कएल जाइत अछि।  अतः बिहार मे यूजीसीक नव नियम लागू कएल जाए। अपन वक्तव्य जारी रखैत कहलनि जे ब्राह्मणवादी मानसिकताक लोक सभ यूजीसी इक्विलिटी एक्टक विरोध कएलनि, जाहि कारणें सर्वोच्च न्यायालय एकरा वापस लेने छल।

माले विधायक कहलनि जे देश मे कतेक दिन धरि रोहित बेमुला सहित अन्य छात्र सभक मृत्यु होइत रहत। 2019 सं 2024 केर बीच उच्च शिक्षण संस्थान सभ मे जातिगत प्रकरण सं जुड़ल विवाद मे 118 प्रतिशत वृद्धि भेल अछि। बिहार सहित देश भरिक विश्वविद्यालय आ उच्च शिक्षण संस्थान सभ मे जाति आधारित भेदभाव आ उत्पीड़नक घटना सभ सामने अबैत अछि। 2016 मे हैदराबाद स्थित केन्द्रीय विश्वविद्यालय मे रोहित बेमुला, 2019 मे मुंबई केर मेडिकल कॉलेजक छात्रा पायल तड़वी, 2021 मे आईआईटी बॉम्बे केर छात्र दर्शन सोलंकीक मृत्यु – ई सभ परिसर मे जातिगत भेदभाव आ उत्पीड़नक उदाहरण अछि।

पालीगंज विधायक अपन बात आगू बढ़बैत कहलनि जे यूजीसी द्वारा माननीय सर्वोच्च न्यायालय आ संसदीय पैनल कें देल गेल प्रतिवेदनक अनुसार 2019 सं 2024 धरि उच्च शिक्षण संस्थान सभ मे जाति आधारित भेदभाव आ उत्पीड़नक घटना मे 118 प्रतिशत वृद्धि भेल अछि। जनवरी 2026 मे यूजीसी द्वारा इक्विटी मार्गदर्शिकाक घोषणा कएल गेल, किन्तु एहि मार्गदर्शिका कें दृढ़तापूर्वक लागू करबाक स्थान पर ब्राह्मणवादी मानसिकता सं प्रेरित आंदोलन सभक बाद सर्वोच्च न्यायालय द्वारा एकरा स्थगित कएल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here