बेनीपट्टी, समदिया
प्रखंड क्षेत्रक मध्य विद्यालय सरिसब मे सर्वाइकल कैंसर सं बचाव लेल टीकाकरण कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। एहि अभियान अंतर्गत 91 छात्रा के एचपीवी वैक्सीनक दोसर डोज देल गेल। एहि अवसर पर बेनीपट्टीक प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. प्रताप नारायण झा कहलनि जे वर्तमान समय मे महिला सभ मे सर्वाइकल कैंसरक समस्या सामान्य भए रहल अछि। एहि कारण महिला सभ के अनेक प्रकारक इलाज आ ऑपरेशन सं गुजर’ पड़ैत अछि। एहि बीमारी सं बचाव अत्यंत आवश्यक अछि। हेल्थ मैनेजर सुशील कश्यप आ यूनिसेफक बीएमसी दिनेश सिंह कहलनि जे बिहार सरकार सर्वाइकल कैंसर के जड़ सं समाप्त करबाक उद्देश्य सं राज्यक सभ छात्रा के एचपीवी वैक्सीन देबाक संकल्प लेने अछि। पहिल चरण अंतर्गत सरकारी विद्यालय मे पढ़ैत 9 सं 14 वर्ष आयु वर्गक छात्रा सभ के टीका देल जा रहल अछि। ज्ञात हो जे छः महीना पूर्व एहि विद्यालय मे वर्ग 4 सं आठम कक्षा तकक सभ छात्रा के पहिल डोज देल गेल छल। गुरुवार के ओहि छात्रा सभ के दोसर डोज देल गेल। एहि अवसर पर विद्यालयक प्रधानाध्यापक मुकुल कुमार मिश्र, टीकाकर्मी एएनएम बबीता कुमारी, नूतन कुमारी, डाटा एंट्री ऑपरेटर संतोष कुमार मंडल, शिक्षक नूतन कुमारी, नजमा प्रवीण आ प्रभाष चन्द्र ठाकुर उपस्थित छलाह।



