17 C
London
Thursday, April 23, 2026

दरभंगा एम्सक निर्माण लेल एचएससीसी कें भेटल ठेका, तीन साल मे पूरा होयत काज

दरभंगा, समदिया

दरभंगा मे बिहारक दोसर एम्सक निर्माण कें लए कए रोज नव-नव खबरि सामने आबि रहल अछि। दू दिन पहिने सोभन बाइपास वला भूमि पर सर्वेक्षण काज शुरू भेल छल आ आब केंद्रीय स्वास्थ्य परिवार कल्याण मंत्रालय द्वारा एम्स निर्माणक ठेका एचएससीसी कें देल गेल अछि। ई एम्सक निर्माण 187 एकड़ भूमि पर होयबाक अछि आ एकरा लेल 1261 करोड़ टाकाक राशि जारी कैल गेल अछि। निर्माणक समय सीमा 36 मास निर्धारित कैल गेल अछि।

एचएससीसी, जे एनबीसीसीक इकाई अछि, कें दरभंगा मे एम्स बनेबाक जिम्मेदारी देल गेल अछि। कंपनी कें 187 एकड़ मे पसरल लगभग सवा दू लाख स्क्वायर फीट भूमि पर अस्पतालक निर्माण करबाक ठेका भेटल अछि। कंपनी कें एहि परियोजना कें तीन साल मे पूरा करबाक निर्देश देल गेल अछि। एनबीसीसी द्वारा शेयर बाजार मे एहि संबंध मे सूचना सेहो देल गेल अछि।

एम्स निर्माणक लेल प्रस्तावित भूमि पर राजनीतिक दल सभ अपन-अपन राजनीति कए रहल छल, मुदा आब सरकारक सक्रियता स्पष्ट रूप सं देखबा मे आबि रहल अछि। हालहि मे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा एहि जमीनक निरीक्षण केलनि आ एम्सक डायरेक्टर डॉ. माधवानंद कार कें किछु निर्देश सेहो देलनि। निरीक्षणक बाद सर्वेक्षण टीम कें सेहो भूमि पर तैनात कैल गेल।

जेपी नड्डा दू दिन पहिने घोषणा केलनि जे आगामी अक्टूबर मास मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी द्वारा शिलान्यास करबाक योजना अछि। एहि सब घटनाक्रम सं ई साफ भए रहल अछि जे दरभंगा मे एम्सक निर्माण अवश्य होयत। एहि सं दरभंगाक लोकक बीच खुशीक माहौल बनल अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here