पटना, समदिया
बिहार मे स्मार्ट मीटरक मुद्दा पछिला किछु दिन सं बहुत चर्चाक विषय बनल अछि। अलग-अलग जगह पर लोकनि स्मार्ट मीटर लगेबाक विरोध कए रहल छथि। कतेको लोकक दावा अछि जे स्मार्ट मीटर लगला सं हुनकर घरक बिजली बिल बहुत बेसी आबि रहल अछि। एहि स्थिति मे राष्ट्रीय जनता दल (राजद) बिहार मे स्मार्ट मीटरक विरुद्ध आंदोलन शुरू करबाक घोषणा कए देलक अछि। राजद प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह कहलनि जे बिहार मे स्मार्ट मीटरक नाम पर लूट मचल अछि। गरीब, किसान आ आम उपभोक्ता सभ बहुत परेशान छथि।
जगदानंद सिंह कहलनि जे पार्टी 1 अक्टूबर सं एहि गंभीर मुद्दा पर आंदोलन शुरू करत। अहां कें ई बात सेहो मोन राखबाक चाही जे हालहि मे पश्चिमी चंपारणक सलहा बरियरवा पंचायत मे स्मार्ट मीटर लगाबय गेल विद्युत टीम कें गामक लोक भगा देलक। विद्युत कर्मी सभ पुरान मीटरक बदला मे नव स्मार्ट मीटर लगाबय गेल छलाह, मुदा लोक विरोध कए देलक। एहि मामलाक बाद विद्युत कर्मी सभ किछु लोक पर बदसलूकीक आरोप लगबैत केस दर्ज करौलनि।
23 सितंबर कें दरभंगा मे छात्र राजदक बैनर तर बिजली स्मार्ट प्रीपेड मीटरक विरुद्ध प्रदर्शन सेहो भेल। प्रदर्शनकारी लोकनि आरोप लगौलनि जे स्मार्ट मीटरक नाम पर लोक कें लूटल जा रहल अछि। हालांकि, बिजली कंपनीक निर्देश पर स्मार्ट मीटर लगाबय वला एजेंसी सभ लोकक बीच स्मार्ट मीटरक भ्रम दूर करबाक प्रयास कए रहल अछि।



