पटना, समदिया
राज्यक अधिकतर जिला मे दू-तीन दिन सं रुकि-रुकि कए होइत बरखाक बाद 28 सितंबर अर्थात शनि कें आपदा प्रबंधन विभाग 13 जिला मे अत्यधिक भारी सं भारी बरखा हेबाक चेतावनी देलक अछि। आपदा प्रबंधन विभाग भारत मौसम विज्ञान विभागक पूर्वानुमानक आधार पर 13 जिलाक कलेक्टर कें अलर्ट जारी कए सचेत कएलक अछि जे एहि दौरान बहुत बासी बरखा सं बाढ़ि सन हालति उत्पन्न भए सकैत अछि, एहि लेल राहति आ बचावक लेल डीएम तैयारी सब पूर्ण कए लेथि।
राज्यक कतेको शहर मे लगातार बरखा सं पानि जमा भए गेल अछि। कतेको सरकारी ऑफिस आ स्कूल मे पानि भरि गेल अछि। विभाग दूटा अलर्ट जारी कएलक अछि आ दुनू मे 13-13 जिला कें अलर्ट कएल गेल अछि। किछु जिला दुनू अलर्ट मे शामिल अछि, तं किछु मात्र एक मे।
आपदा प्रबंधन विभागक पहिल अलर्ट 27 सितंबर कें 13 जिला मे अत्यधिक भारी सं भारी बरखाक लेल जारी कएल गेल अछि। एहि 13 जिला मे 5 जिला एहन अछि जतय एक-दू जगह पर भारी नहि, बल्कि अत्यधिक भारी बरखाक अलर्ट जारी कएल गेल अछि। एहि 5 जिला मे पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, अररिया, किशनगंज आ गोपालगंज शामिल अछि। बांकी आठ जिला मे एक-दू जगह पर बहुत भारी बरखाक चेतावनी देल गेल अछि। एहि मे शिवहर, सीतामढ़ी, सारण, सीवान, सुपौल, मधेपुरा, मुजफ्फरपुर आ पूर्णियां शामिल अछि।
आपदा प्रबंधन विभागक दोसर अलर्ट मे विभाग कहलक अछि जे भारी बरखाक कारण राज्यक 13 जिला मे 28 सितंबर सं अगिला चौबीस घंटाक लेल फ्लैश फ्लड (भारी बरखा सं बाढ़ि सन स्थिति) केर खतरा सेहो बनि सकैत अछि। विभाग एहि 13 जिलाक जिलाधिकारी सं कहलक अछि जे ओ कोनहुं तरहक आपात स्थिति सं निपटबाक लेल आवश्यक इंतजाम कए लेथि। एहि 13 जिला मे पश्चिम चंपारण, पूर्वी चंपारण, मधुबनी, पटना, सारण, वैशाली, भोजपुर, सीवान, जहानाबाद, सीतामढ़ी, शिवहर, मुजफ्फरपुर, गोपालगंज शामिल अछि।



