17 C
London
Thursday, April 23, 2026

भाजपा नेता गिरिराज सिंह कें जान सं मारबाक धमकी, पाकिस्तानी नंबर सं आयल फोन

बेगूसराय, समदिया

केंद्रीय मंत्री आ बेगूसराय सं सांसद गिरिराज सिंह आ सांसद प्रतिनिधि अमरेंद्र सिंह कें जान सं मारबाक धमकी भेटल अछि। अमरेंद्र सिंह बतौलनि जे हुनका फोन पर आइ भोर करीब 11:30 बजे पाकिस्तानक नंबर सं व्हाट्सअप कॉल आयल। कॉल कयनिहार कहलक जे तुम दोनों का अंजाम बहुत बुरा होगा, अंजाम भोगय लेल तैयार रहो।

एहि सं पहिने कॉलर किछु व्यक्तिक गिरफ्तारीक चर्चा सेहो कयलक। जखन अमरेंद्र सिंह अपन पहिचान बतौलनि तं कॉल कयनिहार हुनका जान सं मारबाक धमकी देलक। एहि घटनाक बाद सांसद प्रतिनिधि एसपी आ डीएम कें लिखित शिकायत देलनि अछि। अमरेंद्र सिंह कहलनि जे एहि सं पहिने सेहो धमकी भरल कॉल आयल छल, जकर जानकारी एसपी कें देल गेल छल। मुदा शायद पुलिस ओहि शिकायत सभ कें गंभीरता सं नहि लेलक। आ पाकिस्तान सं आयल ई धमकी भरल कॉल ओही कड़ीक हिस्सा लगैत अछि। फिलहाल पुलिस एहि मामलाक जांच मे जुटल अछि।

बेगूसराय सं सांसद गिरिराज पर पिछला मास सेहो हमलाक प्रयास भेल छल। जखन बेगूसराय मे जनता दरबारक समापनक बाद एक आम आदमी पार्टीक कार्यकर्ता हुनका पर मुक्का चला देलक आ हुनका संग हाथापाई कयलक। एहि घटनाक कारण कुछ समय लेल प्रखंड कार्यालयक समीप अफरातफरी मचि गेल। ओना केंद्रीय मंत्री कें कोनो चोट नहि लगल। पुलिस हमलावर बलिया नगर परिषदक लखमिनिया वार्ड-25 केर पार्षद शहजादुज्जमा उर्फ सैफी कें हिरासत मे लए चुकल छल। जकरा बाद गिरिराज कहने छलाह जे ओ एहन करतूत सं डरय वला नहि छथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here