पटना, समदिया
राजधानी पटनाक प्रसिद्ध इस्कॉन मंदिर मे भेल माइरपीटक घटना पर अब राजनीति तेज होमय लागल अछि। राष्ट्रीय जनता दलक सुप्रीमो लालू प्रसाद यादवक बड़का बेटा आ पूर्व मंत्री तेज प्रताप यादव इस्कॉन मंदिरक प्रबंधन पर निशाना सधलन्हि अछि। ओ सोशल मीडिया पर पोस्ट लिखि कए माइरपीटक घटनाक चर्चा करैत मंदिरक अध्यक्ष कें जिम्मेवार ठहरौलन्हि अछि। तेज प्रताप यादव अपन सोशल मीडिया अकाउंट पर वीडियो शेयर कए लिखलन्हि अछि जे पटना इस्कॉन मंदिरक घटना बहुत दुर्भाग्यपूर्ण आ निंदनीय अछि। भक्तक श्रद्धा आ गरिमा कें ठेंस पहुंचेबाक काज मंदिरक अध्यक्ष आ हुनक किछु भक्त सभक द्वारा कैल गेल अछि।
तेज प्रताप आगू लिखलन्हि जे हम पूर्व मे सेहो मंदिर मे चलि रहल घृणित कृत्यक खुलासा कएने रही, जे आइ सार्वजनिक रूप मे सबहक सामने आबि गेल अछि। पूर्व मे हमर बात कें गंभीरता सं लेल गेल रहैत, तं आइ एहन स्थिति नहि बनैत। नाबालिग बच्चा सभक संग शोषण आ एहिठाम चलि रहल काला कारनामाक एकटा नमहर सूची अछि, जेकर आरोपित इस्कॉन पटनाक अध्यक्ष छथि। कतेको लोकक पर्दाफाश भए चुकल अछि।
तेजप्रताप कहलनि जे अखनहुं एकरा दबेबाक पूरा प्रयास कैल जा रहल अछि मुदा हम एहि पर लगातार आवाज उठबैत रहब। सरकार आ इस्कॉनक गवर्निंग बॉडी कमीशन सं मांग करैत छी जे एहन घृणित कृत्य करय वला सभपर त्वरित कार्रवाई कैल जाए।
तेज प्रताप यादव जे वीडियो अपन सोशल मीडिया अकाउंट पर शेयर केने छथि, ताहि वीडियो मे जे व्यक्ति देखल जाइत अछि, ओ पटना इस्कॉनक अध्यक्ष छथि, एहन दावा कैल जा रहल अछि। ई वीडियो बहुत पुरान अछि। तेज प्रताप यादव सरकार आ इस्कॉनक गवर्निंग बॉडी कमीशन सं मांग केने छथि जे एहन घिनौना कृत्य करय वला सभ पर त्वरित कार्रवाई होयबाक चाही।
पीएम मोदी आ कंगना रनौत कें सेहो कयलनि टैग
तेज प्रताप यादव अपन ट्वीट मे पीएम मोदी, बीजेपी आ बीजेपी सांसद कंगना रनौत कें सेहो टैग केने छथि। एहि सं साफ बुझा रहल अछि जे ओ एहि मामला कें राजनीतिक रंग देबाक प्रयास कए रहल छथि।
मंदिर मे रवि कें भेल छल माइरपीट
रविक रात पटनाक बुद्ध मार्ग पर स्थित इस्कॉन मंदिर मे बवाल भेल छल। पुजारिनक दू गुट आपस मे भिड़ि गेल आ खूब लाठी-डंडा चलल। एहि झगड़ा मे कतेको पुजारी घायल भेलाह। इस्कॉन मंदिर मे भेल एहि माइरपीट कें देखि कए दर्शन करय आएल लोक डरक मारे एमहर-ओमहर भागय लागल छल। बताओल जास रहल अछि जे माइरपीट केर घटना मे एक दिस पटनाक दल छल तं दोसर तरफ भागलपुरक दल छल। जखन ई माइरपीट चरम पर पहुंचल तं एकटा वीडियो आ ओकरा संग नमहर गपसपक ऑडियो वायरल भए गेल। एहि घटनाक बाद, भागलपुरक ब्रह्मचारी सभ जे सभ सं बेसी पिटल गेल रहथि, ओ इस्कॉन पटनाक अध्यक्ष कृष्ण कृपा दास पर बलात्कार सन गंभीर आरोप लगा देलनि। वीडियो मे अध्यक्ष कें आपत्तिजनक अवस्था मे होयबाक बात उठल, जाहि सं मामला आर बेसी गरम भए गेल।



