मुजफ्फरपुर, समदिया
मुजफ्फरपुर सं मानवता कें शर्मसार करयवाला घटना सामने आयल अछि। जतय दबंग लोकनि ने केवल एक दलित मजदूरक निर्दयता सं पिटाइ कएलनि, बल्कि ओकर मुंह पर थूक फेक देल गेल आ फेर ओकर शरीर पर पेशाब सेहो कए देल गेल। आब पीड़ित एहि मामला मे तीन लोकक विरुद्ध थाना मे आवेदन दए चुकल छथि। जकर बाद पुलिस केस दर्ज कए आरोपित सबहक गिरफ्तारी लेल छापेमारी शुरू कए देलक अछि।
पूरा मामला बोचहां थाना क्षेत्रक एक गामक बताओल जा रहल अछि। जतय एक दलित मजदूर साइकिल पर लौटि रहल छल, ताहि समय दबंग लोक ओकरा रोकि कए पिटाइ कएल। एतबे नहि, ओ सब ओकर मुंह पर थूक से फेकलक आ ओकरा पटकि कए ओकर शरीर पर पेशाब कए देलक। आब पीड़ित रमेश पटेल, अरुण पटेल आ गौरव पटेल कें आरोपित करैत थाना मे आवेदन देलक अछि। एहि मामला मे थानाध्यक्ष राकेश कुमार यादव कहलनि जे आवेदनक आधार पर तीन लोक पर प्राथमिकी कएल गेल अछि।
पीड़ित मजदूर पुलिसक समक्ष देल गेल आवेदन मे कहलक जे आरोपित लोक हाल मे एक पॉल्ट्री फार्म बनौने अछि, जतय ओ कतेको दिन धरि काम कएलक। ओहि मे ओकर दू दिनक मजदूरी रोकि लेल गेल। दुर्गा पूजाक अवसर पर जहन ओ मजदूरी मांगय गेल छल, तं रमेश पटेल, अरुण पटेल आ गौरव पटेल ओकरा संग माइरपीट कएलक। मुंह पर थूक फेंकलाक बाद गौरव पटेल ओकर शरीर पर पेशाबो कए देलक।
मजदूर कें भेटि रहल अछि धमकी
थाना मे केस दर्ज भेलाक बाद मजदूर कें जान सं मारबाक धमकी भेटि रहल अछि, जाहि सं ओ बहुत डरि गेल अछि। दबंग लोक सबहक धमकीक कारण ओ घर नहि जा पाबि रहल छथि। ओना थाना मे केस दर्ज भेलाक बाद पुलिस कार्रवाई मे जुटि गेल अछि। आरोपित लोकक गिरफ्तारी लेल पुलिस छापेमारी कए रहल अछि। मुदा अखन धरि ककरो गिरफ्तार नहि कयल गेल अछि।
पीड़ित थाना मे आवेदन देलक अछि। आवेदनक आधार पर तीन लोक पर प्राथमिकी दर्ज कएल गेल अछि। आब सभ आरोपित सबहक गिरफ्तारी लेल छापेमारी कएल जा रहल अछि।”
– राकेश कुमार यादव, थानाध्यक्ष



