मुजफ्फरपुर, समदिया
मुजफ्फरपुर जिलाक काजी मोहम्मदपुर थाना क्षेत्रक माड़ीपुर पावर हाउस चौक पर वाहन जांचक दौरान एक सिपाही वकील गन्नीपुर निवासी पंकज कुमार पर डंडा चला देलक। डंडा कारक विंडो स्क्रीन पर लागल, जकर कारण कारक ड्राइविंग सीट पर बैसल पंकज कुमारक आंखि फूटि गेल। एहि मामला मे राष्ट्रीय मानवाधिकार आयोग बिहार सरकारक मुख्य सचिव कें पीड़ित अधिवक्ता कें 25 हजार टाका मुआवजा देबाक आदेश देलक अछि। आयोग मुख्य सचिवक विरुद्ध कारण बताओ नोटिस सेहो जारी कएने छल आ दू सप्ताहक भीतर जबाब मंगने छल, मुदा मुख्य सचिव कोनो जवाब नहि देने छल।
विगत 21 अगस्तक सुनवाइक दौरान आयोग कठोर रुख अपनाबैत कहलनि जे सरकार अपन मुआवजा देबाक जबावदेही सं नहि भागि सकैत अछि, कारण एहि मामला मे एक लोक सेवक द्वारा मानवाधिकारक उल्लंघन कएल गेल अछि। एहि कारण पीड़ित कें अपन एक आंखि गमाबय पड़ल। आयोग बिहारक मुख्य सचिव कें चारि सप्ताहक भीतर पीड़ित पंकज कुमार कें 25 हजार टाका मुआवजा देबाक आदेश देलक अछि।
विदित हो जे 7 फरवरीक राति करीब 11:40 बजे अधिवक्ता पंकज कुमार पटना सं अपन गाम गन्नीपुर लौटि रहल छलाह। ओहि समय पावर हाउस चौक पर काजीमोहम्मदपुर थानाक पुलिसकर्मी वाहन जांचक लेल पहिनहि सं ठाढ़ छलाह। पुलिसकर्मी सभ हुनकर गाड़ी कें रोकलक आ पुछलक जे ओ कतय सं आबि रहल छथि। जाबत धरि अधिवक्ता किछु बजितय, तखनहि पुलिस पदाधिकारी गारा-गारी करैत पुलिसकर्मी सभ कें हुनका मारबाक हुकुम देलक।



