सीतामढ़ी, समदिया
सीतामढ़ी जिलाक सुप्पी थाना क्षेत्रक ढेंग गाम मे मूर्ति विसर्जनक कारण विवाद शुरू भए गेल। एहि विवाद मे एकहि समुदायक किछु लोक चाकूबाजीक घटना कें अंजाम देलक। एहि घटना मे दू गोटेक मौत भए गेल आ बहुत रास लोक घायल अछि। घायल सभकें इलाज लेल निजी क्लिनिक मे भर्ती कयल गेल छल। जाहि ठाम सं डॉक्टर सभ नीक इलाजक लेल सीतामढ़ी रेफर कए देलक।
घायल सभ कें इलाज लेल निजी क्लिनिक मे भर्ती कैल गेल छल, जाहि मे सं दू गोटेक मंगलदिन भोर प्राण त्यागि देलक। एहि घटना सं आक्रोशित लोक सुप्पीक ढेंग गाम मे आगजनी कए प्रदर्शन कए रहल अछि आ हत्यारा सभक गिरफ्तारीक मांग कए रहल अछि। स्थिति कें सामान्य बनेबाक लेल घटनास्थल पर बहुत रास पुलिस बल तैनात कए देल गेल अछि।
मौतक बाद दू समुदायक बीच तनावक स्थिति उत्पन्न भए गेल अछि। अखन पुलिस एहि घटना मे शामिल कतेको लोक कें हिरासत मे लए कए पूछताछ कए रहल अछि। मृतकक पहिचान ढेंग गाम निवासी 50 वर्षीय तालेवार साहनी आ 55 वर्षीय भरत साहनीक रूप मे कैल गेल अछि। सीतामढ़ीक सदर डीएसपी राम कृष्णा कहलनि जे महावीर झंडाक दौरान दू समुदायक बीच विवाद भेल छल, जकरा पुलिस शांत कए देने छल। मंगलदिन दुर्गा पूजाक मूर्ति विसर्जनक दौरान, जखन लोक वापस आबि रहल छल, तखन एक समुदायक लोक चाकूबाजीक घटना कें अंजाम देलक।
- दू समुदायक बीच भेल विवाद मे बहुत रास लोक गंभीर रूपें घायल भए गेल। तालेवार साहनी आ भरत साहनीक मंगलदिन भोरे मौत भए गेल। कतेको लोक कें हिरासत मे लए कए पूछताछ कए रहल छी, जे दोषी होएत, ओकरा पर कठोर कार्रवाई कएल जाएत।
– राम कृष्णा, सदर डीएसपी, सीतामढ़ी



