6.5 C
London
Wednesday, March 4, 2026

शंकाक आधार पर 3 गोटे कें हिरासत मे राखि जांच जारी अछि

मधुबनी, समदिया

बेनीपट्टी थाना क्षेत्र के बेहटा पछिम टोल के के सुनील कुमार झा (29 साल) हत्या के घटना के दू दिन बादो हत्या के मामला मे पुलिस के हाथ खाली अछि। हालांकि शंका के आधार पर पुलिस तीन गोटे के हिरासत मे राखि गहन पूछताछ क’ रहल अछि। मुदा पुलिस के एहि हत्या के कोनो सुराग हाथ नहि लागल अछि। बताऔल जा रहल जे शनि दिन धरि मृतकक परिवार द्वारा एहि निर्मम आ घृणित हत्याक संबंध मे थाना मे प्राथमिकी दर्ज तक नहि कराऔल गेल अछि। एहि संबंध मे थाना मुख्य निरीक्षक गौतम कुमार तीन गोटे कए संदिग्ध के रूप मे पूछताछ लेल थाना आनल गेल हेबाक पुष्टि करैत पुलिस के तकनीकी प्रकोष्ठ आ एफएसएल टीम मौका पर जांच कयलाक बाद अपन काज तेजी सं पूरा क’ रहल बतौलनि। संगहि पुलिस अज्ञात अपराधी के संभावित नुकाबय के जगह पर सेहो छापा मारि रहल अछि।
दोसर दिस इलाका के लोक के नजरि पुलिस द्वारा एहि निर्मम हत्या के जांच आ एहि मे शामिल अज्ञात अपराधी के गिरफ्तारी पर टिकल अछि। थाना प्रमुख कहला अछि जे एहि हत्याकांड के तुरंत पर्दाफाश कएल जाएत आओर एहि मे शामिल अज्ञात हत्यारा के गिरफ्तार कएल जाएत। मृतक ग्रामीण डाक्टर के काज करैत छल आ बहुत शांत स्वभाव के छल

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here