बिहार सरकारक पूर्व मंत्री सह वरिष्ठ कांग्रेसी नेता एमएलसी डॉ. मदन मोहन झा 14 जुलाई क’ मणिपुर मे भेल उग्रवादी हमला मे शहीद बांकी गाम निवासी सीआरपीएफ जवान अजय कुमार झा के घर पहुंचलाह। एतय शहीदक बेटा, माता-पिता, भाई, पत्नी आ बच्चा आ परिवारक अन्य सदस्य लोकनि सँ भेंट कयलनि आ हुनका लोकनि केँ सान्त्वना देलनि। सब गोटे नम आँखि सँ मौन धारण क’ शहीद अजय कुमार झा केँ श्रद्धांजलि देलनि। एहि अवसर पर शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र दरभंगा के एमएलसी डॉ. मदन मोहन झा शहीद अजय कुमार झा के नाप पर स्मारक आ मूर्ति के स्थापना आ प्रवेश द्वार के निर्माण के घोषणा कयलनि। ओ कहलनि जे, मुख्यमंत्री क्षेत्र विकास योजना के तहत शहीद के आदमकद मूर्ति लगाबय आ प्रवेश द्वार बनेबाक काज एहि साल पूरा भ’ जायत।



