17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

मुजफ्फरपुर मे शिक्षक कयलनि छात्रक संग निर्दयता सं पिटाइ

मुजफ्फरपुर, समदिया

मुजफ्फरपुर के पारू प्रखंड में एकटा क्लास छह के छात्र के होमवर्क नहि बनेला पर शिक्षक द्वारा बेरहमी सँ पिटाई कैल गेल। ई आरोप हरपुर कपरफोरा मध्य विद्यालय के शिक्षक पर लगाओल गेल अछि। छात्रक शरीर पर चोट के निशान देखल गेल अछि। पीड़ित परिवार ग्रामीण एसपी विद्यासागर सँ न्याय के गुहार लगेलक। ई घटना 3 मई के अछि, मुदा मामला आब सामने आएल अछि। पीड़ित छात्र जयवीर कुमार (13 वर्ष) कहलनि जे ओ होमवर्क पूरा नहि कएने छल। एहि पर शिक्षक विकास कुमार भड़क गेलाह आ डंडा सँ पीठ आ माथ पर मारलक। कान पर जोरदार थप्पड़ देलनि। घर आबि क’ जब माय के सब बात कहल, त’ ओ हुनका अस्पताल ल’ गेलीह।

माय संगीता देवी कहलनि जे शरीर पर कतेको जगह पर चोट अछि। हाजीपुर स्थित प्राइवेट अस्पताल में डॉक्टर के देखेल गेल। बेटाक स्थिति एतेक खराब छल जे तीन दिन तक अस्पताल में भर्ती रहए पड़ल। डॉक्टर कहलनि जे कानक पर्दा फाटि गेल अछि। दोसर दिस, आरोपी शिक्षक विकास कुमार कहलनि जे बेरहमी सँ पिटाई के बात गलत अछि। होमवर्क नहि बनेला पर हल्का मार देल गेल छल। कान पर मारबाक बात असत्य अछि।

आवेदनक आधार पर केस दर्ज

ग्रामीण एसपी विद्यासागर बतौलनि जे परिजन लिखित आवेदन देने छथि। शिक्षक पर पिटाई के आरोप लगाओल गेल अछि। आवेदन के आधार पर पारू थाना में केस दर्ज कएल जा रहल अछि। जांच उपरांत दोषी पर कड़ा कार्रवाई होएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here