सुपौल, समदिया
सुपौल जिलाक सड़क सभ पर मकइ सुखेबाक प्रवृत्ति आब जानलेवा बनि चुकल अछि। एहि मुद्दा पर छातापुर विधानसभा क्षेत्र सं महागठबंधनक प्रमुख टिकट दावेदार आ विकासशील इंसान पार्टी (वीआईपी)क राष्ट्रीय उपाध्यक्ष संजीव मिश्रा कड़ा रुख अख्तियार कएलनि अछि आ जिलाक परिवहन पदाधिकारी (डीटीओ) कें कटघरा मे ठाढ़ कएलनि अछि।
हालहि मे डहरिया मे भेल एक दर्दनाक सड़क दुर्घटना मे एक व्यक्तिक घटनास्थल पर मृत्यु भ’ गेल। एहि उपरांत श्री मिश्रा स्वयं ओ स्थल पर पहुँचलाह आ गहिर संवेदना प्रकट कएलनि। ओ कहलनि जे सड़क अनाज सुखेबाक लेल नहि बनल अछि। ई केवल गैरकानूनी नहि, बल्कि प्राणघातक सेहो अछि। लगातार भ’ रहल दुर्घटना सभ प्रशासनिक उपेक्षाक परिणाम छी। डीटीओ महोदय अपन कर्तव्य सं मुंह नहि मोड़ि सकैत छथि। ओ इहो कहलनि जे सुपौल जिलाक विभिन्न मार्ग सभ पर खुलेआम मकै सुखायल जा रहल अछि, जे कारणें दू पहिया आ चार-पहिया वाहन चलौनाइ अत्यंत जोखिमपूर्ण भ’ गेल अछि। “एहन परिस्थितिमे प्रत्येक दुर्घटना, प्रत्येक प्राण-हानिक जिम्मेदारी प्रशासन पर अछि, श्री मिश्रा कड़का स्वर मे कहलनि। ओ प्रशासन सं आग्रह कएलनि जे त्वरित हस्तक्षेप कएल जाय, दोषी सभ पर सख्त कार्रवाई हो आ ग्रामीण सभक लेल वैकल्पिक स्थान पर फसल सुखेबाक व्यवस्था सुनिश्चित कएल जाय।



