9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

लक्ष्य हासिल मुदा जारी अछि ‘ऑपरेशन सिन्दूर’ : वायुसेना

नई दिल्ली, एजेंसी

भारत आ पाकिस्तानक बीच चारि दिन धरि चलल युद्ध सन तनावपूर्ण स्थिति उपरांत शनिदिन सीजफायर केर घोषणा कएल गेल। ओतहि, भारतीय वायुसेना एक बयान जारी करैत कहलक जे ऑपरेशन सिंदूर अखनो जारी अछि। वायुसेना सोशल मीडिया अकाउंट ‘एक्स’ पर कहलक जे भारतीय वायुसेना ऑपरेशन सिंदूरक लक्ष्य सफलतापूर्वक प्राप्त क’ चुकल अछि। ई अभियान राष्ट्रहित मे अत्यंत आक्रामक रूप सं संचालित कएल गेल। तथापि, ई अभियान अखनो जारी अछि। आगां एकर विस्तृत जानकारी देल जाएत। वायुसेना लोक सभ सं अफवाह आ अप्रमाणित सूचना पर विश्वास नहि करबाक आग्रह करैत अछि।

गौर करबाक बात ई अछि जे एहि अभियानक दौरान वायुसेनाक विभिन्न प्लेटफॉर्म आ हुनकर पायलट सभ सं संबंधित अनेक प्रकारक विवादास्पद जानकारी सोशल मीडिया पर प्रसारित कएल जा रहल अछि। विचारणीय अछि जे पहलगाम मे 22 अप्रैल कें मासूम पर्यटक सभ पर आतंकवादी हमला केने छल। एहि हमला मे कम सं कम 26 लोकक मृत्यु भेल छल। देशभरि मे एहि घटना लेल गंभीर आक्रोश छल। तत्पश्चात प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेनाक सब अंग कें पूरा छूट देलनि। सेनाक उत्तरक रूप मे ऑपरेशन सिंदूर चलाओल गेल, जाहि मे आतंकवादी सभक 9 ठाम कें नेस्तनाबूत कएल गेल।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी रविवार दिन रक्षामंत्री राजनाथ सिंह, विदेशमंत्री एस. जयशंकर संग शीर्षस्थ अधिकारी सभक संग उच्चस्तरीय बैठकक अध्यक्षता केलनि। ई बैठक भारत आ पाकिस्तानक बीच सैन्य कार्रवाई रोकबाक सहमति भेल एक दिनक बाद आयोजित भेल। बैठक मे राष्ट्रीय सुरक्षा सलाहकार (एनएसए) अजीत डोभाल, प्रमुख रक्षा अध्यक्ष जनरल अनिल चौहान, आ सेनाक तीनू अंगक प्रमुख सभ शामिल छलाह। भारत शनिदिन राति पाकिस्तान पर सहमतिक शर्त सभक उल्लंघन करबाक आरोप लगेलक आ ओकरा यथोचित डेग उठेबाक संग-संग स्थिति सं गंभीरता आ जिम्मेदारी’ सं निपटबाक आग्रह केलक। यद्यपि परिस्थिति आब शांत बुझाइत अछि, तथापि सीमावर्ती क्षेत्रक लोकसभ कतेको दिन धरि चलल गोलाबारी आ ड्रोन संबंधी घटनाक कारण सं अखनो भयभीत अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here