9.7 C
London
Monday, April 27, 2026

फसल बीमा योजना पर घमासान, डीएम भेजलनि जांच टीम

तारडीह (दरभंगा), समदिया

फसल बीमा योजना 2024-25 में भेल अनियमितता आओर जानबूझि कऽ कतेको पंचायत केँ योजना सऽ वंचित करबाक आरोप तारडीह प्रखंड में बड़का विवाद के रूप लऽ लेलक अछि। मामला के गंभीरता केँ देखैत दरभंगा जिलाधिकारी विशेष जांच टीम गठित कय तारडीह प्रखंड पठेबाक घोषणा केलनि अछि, जेकरा सऽ संबंधित विभागीय कर्मी सभ में हड़कंप मचि गेल अछि। एहि मामला के उजागर करऽ वला कुरसो मछैता पंचायत के पैक्स अध्यक्ष पंकज कुमार झा अपन बात पर अडिग छथि। ओ कहला कि  जाधरि किसान केँ न्याय नहि भेटत,  ताधरि हुनकर संघर्ष जारी रहत।

प्रखंड विकास पदाधिकारी (बीडीओ) पंकज झा केँ निष्पक्ष जांच केर भरोसा दैत कहलनि अछि जे दोषी पायल गेल कर्मी सभ पर कड़ाई सऽ कानूनी कार्रवाई होयत। पंकज झा लिखित आवेदन में मांग केलनि अछि जे जखन धरि जांच प्रक्रिया पूर्ण नहि भऽ जाए, तखन धरि संदेहास्पद पंचायत कर्मी केँ जांच सऽ दूर राखल जाए, जाहि सऽ निष्पक्षता बनल रहय। एहि बीच प्रखंड सांख्यिकी पदाधिकारी आ बीडीओ सेहो स्वीकार केलनि अछि जे मामला प्रथम दृष्टया संदेहास्पद प्रतीत होइत अछि, आ क्रॉप कटिंग में जे किसानक नाम दर्ज अछि, हुनकर दोबारा जांच करायल जाएत।

पैक्स अध्यक्ष झा कहलनि जे यदि ओ न्याय सऽ वंचित रहि गेलाह, तऽ ओ मामला उच्च न्यायालय धरि लऽ जेताह, आ जरूरत पड़ला पर धरना-प्रदर्शन सेहो कएल जाएत। हुनकर कथन अनुसार, ई संपूर्ण प्रखंडक किसानक हकक सवाल अछि। जिलाधिकारी द्वारा जांच टीम पठेबाक सूचना सऽ किसान लोकनि में नव आशा जन्म लेलक अछि, आ आब सब कियो प्रशासनिक कार्रवाई पर नजर गड़ौने छथि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here