बेनीपट्टी, समदिया
मधुबनीक सिविल सर्जनक निर्देशक आलोक मे बेनीपट्टी प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र परिसर मे प्रभारी चिकित्सकीय पदाधिकारी डा. प्रताप नारायण झाक उपस्थिति मे दिव्यांगता प्रमाणपत्र बनयबाक लेल एक दिवसीय शिविरक आयोजन कैल गेल। शिविर मे भोरे लगभग 9 बजे सं दिव्यांगजनक पहुँचनाय शुरू भ’ गेल छल। जेकरा कतारबद्ध क’ क’ कागज देखिकय रजिस्ट्रेशनक प्रक्रिया संपन्न कैल जा रहल छल।
बता दी जे अखनहुं बहुत रास दिव्यांगजन एहन छथि, जिनका लग दिव्यांगता प्रमाणपत्र नहि अछि। एहि परिस्थिति केँ देखैत स्वास्थ्य विभागक सचिव द्वारा समस्त जिलाक सिविल सर्जन केँ निर्देश देल गेल छल जे दिव्यांगजनक प्रमाणपत्र निर्माणक लेल शिविर आयोजित कैल जाय। एहि निर्देशक आलोक मे सिविल सर्जन द्वारा तिथिवार शिड्यूल निर्धारित क’ सभ प्रभारी चिकित्सकीय पदाधिकारी केँ अपन-अपन तिथि पर शिविर लगाबय केँ आदेश देल गेल छल।
एहि क्रम मे बुध दिन बेनीपट्टी मे आयोजित शिविर मे अपराह्न 4 बजे तक लगभग 35 दिव्यांगजन केँ प्रमाणपत्र सौंपल गेल। संगहि जे दिव्यांगजन आंखि, कान, गला आ मस्तिष्क सं संबंधित विकलांगता सं ग्रसित छलाह, हुनका चिन्हित क’ अनुमंडलीय अस्पताल स्थित विशेषज्ञ चिकित्सकक लग रेफर कैल गेल।
प्रभारी चिकित्सकीय पदाधिकारी डा. झा कहलनि जे दिव्यांगजनक लेल दिव्यांगता प्रमाणपत्र अतिआवश्यक होइत अछि। एहि सँ ओ भविष्य मे केंद्र आ राज्य सरकार द्वारा संचालित योजनासभक लाभ सहज रूपे प्राप्त क’ सकैत छथि। एहि उद्देश्य सँ विभागीय सचिव आ सिविल सर्जनक निर्देश पर शिविर आयोजित कैल गेल।
शिविर मे डा. बी.एन. झा, डा. गोविंद मिश्र, डा. अनिल कुमार, बृज मोहन झा, शिव सौरव, ब्यूटी कुमारी तथा नवल चौधरी उपस्थित छलाह।



