जयनगर, समदिया
थाना सं महज किछुए दूरी पर मुख्य सड़क स्थित दुर्गा मंदिर गली मे बृहस्पति दिन सांझ मे नकाबपोश अपराधी थोक बर्तन व्यवसायी दीपक गुप्ता पर फायरिंग क’ गल्ला मे रखल बिक्रीक रुपैया लूटि क’ फरार भ’ गेल।
सूचना भेटिते थानाध्यक्ष अमित कुमार अपन पुलिस दल संग घटनास्थल पर पहुंचलाह आ जांच मे जुटि गेलाह। पुलिस दोकान आ आसपास लगाओल सीसीटीवी फुटेजक जांच क’ रहल अछि संगहि अपराधी सभक पकड़ लेल सघन छापामारी अभियान चलाओल जा रहल अछि।
जानकारी अनुसार, एक टा टीवीएस मोटरसाइकिल (BR 32 F 5497) पर सवार तीन नकाबपोश अपराधी दोकान पर आयल। ओ हथियार देखा क’ गल्ला मे राखल बिक्रीक रुपैया छीनेक प्रयास केलनि। दोकनदार विरोध केलनि तखन छीना-झपटीक दौरान एकटा अपराधी फायरिंग केलक। हालाँकि गोली दीपक गुप्ताक साइड सं निकलि गेल आ ओ बाल-बाल बचि गेलाह।
दोकनदार दीपक गुप्ता कहलनि जे ओ दुकान बंद क’ घर जाएवला छलाह, तखने मास्क पहिरने दू गोटे अंदर घुसि गेल आ बंदूक तानि देलक। ओ गल्ला सं रुपैया निकाल’ लागल। विरोध कएलाक बाद झड़प भ’ गेल जाहि मे एकटा अपराधी गोली चला देलक।
एहि घटना सं पूरा इलाका मे दहशतक माहौल अछि। पुलिस आरोपित सभक गिरफ्तारी लेल लगातार प्रयास क’ रहल अछि।



