17.9 C
London
Thursday, April 23, 2026

बर्तन दोकान लूटकांड मे पुलिस कें पैघ सफलता, दू अपराधी गिरफ्तार 

जयनगर (मधुबनी), समदिया

पछिला बृहस्पति दिन जयनगर नगरवासीक लेल ड’र आ सनसनी ल’ क’ आएल रहय, जतय मेन रोड स्थित दीपक बर्तन दोकान पर तीन अज्ञात अपराधी हथियार लहरबैत आ गोली चलबैत लगभग पचास हजार रुपैया लूटि क’ फरार भ’ गेल छलाह। एहि घटना के ल’ क’ थाना कांड संख्या 166/25 दर्ज करैत अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी (डीएसपी) विप्लव कुमारक नेतृत्व मे एक विशेष टीम गठित कयल गेल।

बुध दिन डीएसपी श्री कुमार एक प्रेस वार्ता मे जानकारी देलनि जे अनुसंधान क्रम मे सीसीटीवी फुटेज आ तकनीकी सहयोग सं अपराधी सभक पहचान कयल गेल। तत्पश्चात सघन छापामारी अभियान चलाओल गेल, जकर परिणामस्वरूप घटना मे संलग्न दू अपराधी सतीश कुमार उर्फ नारद (उम्र 22 वर्ष, पिता कामेश्वर राय) आ बबलु कुमार राय (उम्र 25 वर्ष, पिता योगेन्द्र राय), दूनू निवासी बलडिहा, थाना जयनगर के गिरफ्तार कयल गेल।

गिरफ्तारीक क्रम मे लूट मे प्रयुक्त होंडा शाइन मोटरसाइकिल, चारि हजार नगद रूपयादू मोबाइल फोन सेहो बरामद कयल गेल। पूछताछ मे गिरफ्तार अपराधी सभ स्वीकृति देलक जे लूटल गेल राशि मे सं तीन-तीन हजार रूपया दुनू कें देल गेल छल, आ शेष राशि फरार अपराधी राकेश कुमार लग अछि, जे बाद मे बाँटय के वादा कयने छल।

डीएसपी विप्लव कुमार कहलाह जे फरार अपराधी राकेश कुमारक गिरफ्तारी हेतु पुलिस टीम लगातार छापामारी क’ रहल अछि। एहि सफलता मे थानाध्यक्ष अमित कुमार, एसआई शेषनाथ प्रसाद, मिथलेश कुमार राही, अमित कुमार, बिपिन कुमार, विनोद कुमार रॉय संग पैंथर टीम सक्रिय रूप सं शामिल छल।

पुलिस द्वारा त्वरित कार्रवाई सं नगर मे सुरक्षा व्यवस्था पर लोकक विश्वास बढ़ल अछि। प्रशासन द्वारा आश्वस्त कयल गेल अछि जे बचल अपराधी जल्दिए पकड़ाएत आ विधिसम्मत कठोर कार्रवाई कयल जाएत।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here