14.7 C
London
Sunday, April 26, 2026

बिहारक सब सं गर्म शहर बनल सीतामढ़ीक पुपरी, किशनगंज रहल सब सं ठंडा, आखिर कहिया धरि सताओत उमस भरल गर्मी?

पटना, समदिया

पिछला एक मास सं बिहार मे लोक गर्मी सं परेशान छथि। किशनगंज, अररिया, पूर्णियां छोड़ि कोनो आन जिला मे बरखा नहि भए रहल अछि। एकर कारण ई तपैत गर्मी अछि। सीतामढ़ी जिलाक पुपरी रविदिन सबसं गरम शहर रहल। जहनकि सोमदिन जारी आंकड़ाक अनुसार किशनगंज सब सं ठंडा जिला बनबाक रिकॉर्ड बनेलक अछि। मौसम विभागक अनुसार मौसम मे बदलावक कारण मंगल दिनक बाद बरखाक संभावना अछि।

मौसम केंद्रक रिपोर्टक अनुसार वृहस्पति कें सीतामढ़ीक पुपरी मे 0.5 डिग्रीक वृद्धिक संग अधिकतम तापमान 38.5 डिग्री सेल्सियस रहल। एकर अलावा सिवानक जीरादेई में 38 (+1.2), पटनाक अगवानपुर मे 35.5 (+0.2), कटिहार 34.7, खगड़िया 35.5, भागलपुर 35.4 (+0.2), औरंगाबाद 35.9 (+0.3), नवादा 35.2 (+0.4) , जमुई 35 (+०.6), शेखपुरा 36 (+०.7) आ बांका 35.1 (+1.4) डिग्री सेल्सियस मे तापमान दर्ज कयल गेल अछि। एकर अलावा अन्य जिला मे तापमान मे गिरावट दर्ज कैल गेल मुदा गर्मी अक्षुण्ण रहल।

सोमदिन जारी रिपोर्टक अनुसार किशनगंज सबसं ठंडा जिला बनल रहल। एहि ठामक न्यूनतम तापमान 25.5 दर्ज कैल गेल। एकर अलावा अन्य जिलाक न्यूनतम तापमान से बेसी छल आ एहि मे वृद्धि सेहो दर्ज कयल गेल अछि। वाल्मीकिनगर, पूर्णियां, नालंदा, शेखपुरा, बांका, नवादा आ जमुई मे न्यूनतम तापमान मे गिरावट दर्ज कैल गेल अछि। एकर अलावा अन्य जिलाक तापमान मे 0.1 सं 3.3 डिग्री सेल्सियसक वृद्धि भेल अछि। सबस बेसी वृद्धि अररियाक फारबिसगंज मे भेल। एहि ठामक न्यूनतम तापमान 30.3 डिग्री सेल्सियस छल।

30 जुलाई सं 2 अगस्त धरि अछि बरखाक संभावना  

एतय मौसम विभाग 30 जुलाई सं 2 अगस्त धरि बिहारक कतेको जिला मे बरखाक संभावना व्यक्त केलक अछि। 30 तारीख कें पटना, गया, जहानाबाद, नवादा, नालंदा, शेखपुरा, लखीसराय, बेगूसराय, भोजपुर, बक्सर, भभुआ, रोहतास, औरंगाबाद आ अरवल मे बरखा होएत। भागलपुर, बांका, खगड़िया, मुंगेर आओर जमुई मे 1 अगस्त आओर पूर्वोत्तर मिथिला मे सेहो 2 अगस्त कें बरखाक संभावना अछि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here