खगड़िया, समदिया
खगड़िया जिलाक तेताराबाद स्थित बूढ़ी गंडक नदी मे सोमदिन डूबला सं दू बहिनक मौत भए गेल। मृतकक पहिचान गंगौर थाना क्षेत्रक लक्ष्मीपुर तेताराबाद निवासी वीरेन्द्र यादवक बेटी साक्षी कुमारी (9) आ मानसी थाना क्षेत्रक चुकी गाम निवासी नीरज कुमारक बेटी पोली कुमारी (7) केर रूप मे कयल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे पोली कुमारी पिछला एक साल सं अपन नानीगाम मे रहैत छलीह। दुनू गोटे ममियौत-पिसियौत बहिन छलि। बताओल जा रहल अछि जे दुनू लड़की गामक लोक स्नान करय जा रहल देखि सोमदिन गंडक नदी पर पहुंचि गेल छल।
जानकारीक अनुसार तेताराबाद स्थित बूढ़ी गंडक नदीक तेरासी घाट पर अक्सरहां डूबला सं लोकक मौत होइत रहैत अछि। एहि संबंध मे तेताराबाद पंचायतक मुख्य प्रतिनिधि रामनाथ चौधरी कहलनि जे पिछला एक सं डेढ़ साल मे एहि घाट पर डूबि कए दस सं बेसी लोक जान गमा चुकल छथि। एकर बादो लोक सबक नहि लए रहल अछि। ओ कहलनि जे गंडक नदी लग स्थानीय ग्रामीण कें एहि बारे मे कतेको बेर चेतावनी देल गेल अछि। मुदा सभटा निर्देशक बादो लोक नदी मे स्नान करय लेल जाइत अछि।
एहि मामला मे गंगौर थानाध्यक्ष लाल बिहारी कुमार कहलनि जे दुनू लड़कीक शव कें पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल खगड़िया पठा देल गेल अछि। पोस्टमार्टमक बाद शव कें परिजन कें सौंपल जायत। ओ कहलनि जे परिवारक लोक कें सेहो अपन बच्चाक देखभाल करबाक चाही।



