7.4 C
London
Thursday, April 23, 2026

ई स्कूल अछि की कसाई घर! पांचम कक्षाक छात्र कें छड़ी आ चप्पल सं पीटलनि शिक्षिका, हालति गंभीर

मुजफ्फरपुर, समदिया

मुजफ्फरपुरक मनियारी थाना क्षेत्रक मरीचा पंचायतक एकटा स्कूल मे पांचम कक्षाक छात्राक संग माइरपीटक मामला सामने आयल अछि। स्कूलक शिक्षक बच्चा कें चप्पल आ छड़ी सं एतेक मारि मारलक जे ओकरा अस्पताल मे भर्ती कराबय पड़ल। अस्पताल लए गेलाक बाद पता चलल जे बच्चाक हालति गंभीर अछि। प्राथमिक चिकित्साक बाद डॉक्टर ओकरा दोसर अस्पताल रेफर कए देलक। बच्चाक पिता कहैत छथि जे स्कूल मे आन शिक्षक छलाह मुदा बच्चा कें कियो नहि बचौलनि।

बच्चाक पिता कहलनि जे शिक्षिका सेहो फोन कए बच्चा कें धमकी देने छल। बच्चाक पिताक आरोप अछि जे शिक्षक बच्चा कें एतेक निर्दयता सं मारलक जे ओकरा अस्पताल मे भर्ती करय पड़ल। संगहि स्कूल मे उपस्थित अन्य शिक्षक लोकनि हुनका एहि लेल नहि रोकलनि। ओतै शिक्षिका किछु अलगे बात कहलक। ओ कहलनि जे बच्चा लड़की सब संग दुर्व्यवहार केलक। एहि कारणें ओकरा सजा भेटल अछि।

दुर्व्यवहार पर बच्चाक पिता कहलनि अछि जे बच्चा खेलाइत काल ककरो नजदीक आबि गेल आ फेर मैडम ओकरा पर आरोप लगा देलनि। ओ अही बात पर एतेक मारि मारलनि जे ओकर गर्दन सं ऊपरक सब किछु बेकार भए गेल। एकर बाद हाथ पर मारल गेल तें हाथ सेहो गड़बड़ अछि। पैरक निचला भाग मे सेहो मारल गेल। पहिने चप्पल सं मारल गेल आ तकरा बाद छड़ी सं पीटल गेल। एतेक मारि मारलाक बादो स्कूल मे उपस्थित 15-20 गुरुजी लोकनि ओहि शिक्षिका कें नहि रोकलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here