12 C
London
Thursday, April 23, 2026

भरवाड़ा मे भीषण जल संकट, बेकार पड़ल अछि नल योजनाक नल

दिग्घी पोखरिक जल मीनार होइतहि टैंकर सं भए रहल अछि जलापूर्ति

बेनीपुर, समदिया  

नगर पंचायत भरवाड़ामे पेयजलक स्थिति बड गंभीर भऽ गेल अछि। स्थिति ई अछि जे टैंकरक आवाज सुनतहि लोक सभ घर सं बाल्टी सहित अन्यान्य बर्तन लऽ कय सड़क दिस दौड़ पड़ैत छथि। नगर पंचायत भरवाड़ाक दिग्घी पोखर पर बनल जल मीनार बंद होइतहि पेयजल आपूर्ति करबाक लेल टैंकरमे पानी भरनाई सेहो मुश्किल भऽ गेल अछि। ग्रामीण सभ बतेलनि जे जल नल योजनाक असफलताक संगहि अधिकांश सरकारी चापाकल सेहो खराब भऽ गेल अछि। वाटर लेवल डाउन होइतहि निजी चापाकल सेहो पानि देनाइ बंद कऽ देलक अछि। ऐहन स्थितिमे पेयजल लेल हाहाकार मचि गेल अछि।

सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार हंसिका कश्यप कुहू आदि बतेलन्हि अछि जे जल नल योजना सं बनल वॉटर टावर वार्ड तीन आ सातमे पूर्णतः बंद अछि। वार्ड आठ, वार्ड चारि, वार्ड दू आ वार्ड एकक मशीन के जेना तेना चलायल जा रहल अछि। ओ सभ आगा बतेलनि जे चापाकल सं पानि नहि निकललाक कारणे पेयजलक गंभीर समस्या भऽ गेल अछि। पीएचईडी दिस सं बनाओल गेल जल मिनार सं वार्ड नौ आ वार्ड दसक किछु लोक के पेयजल उपलब्ध भऽ जाइत छल मुदा 27 जुलाई के जल मीनार केर पंपक स्टाटर सेहो खराब भऽ गेलै।

वार्ड दसक वार्ड पार्षद बतेलनि जे पेयजलक समस्या केर निदान लेल कतेको बेर संबंधित अधिकारी सं आग्रह केलौं मुदा कियो एकर निदान लेल तैयार नहि छथि। मुख्य पार्षद सुनील भारती बतेलन्हि जे तीन टैंकर सं सभटा दसो वार्डमे पाइन आपूर्तिक व्यवस्था कयल गेल अछि। खराब पड़ल जल नल योजनाक पंप सं पाइन निकालबाक व्यवस्था कयल जा रहल अछि। पीएचईडी दिस सं बनायल गेल जल मिनार के ठीक करबाक लेल विभागक कार्यपालक अभियंता जेई आ संवेदक के कतेको बेर फोन कयल गेल अछि। एहि संबंधमे जानकारी लेबा लेल पीएचईडीक कार्यपालक अभियंता सं मोबाइल फोन पर संपर्क करबाक प्रयास कयलौं मुदा संपर्क नहि भऽ सकल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here