भागलपुर : भागलपुर जिलाक गोराडीह थाना क्षेत्र अंतर्गत पितनागांव लग सोमदिन भोर एक भीषण सड़क दुर्घटनामे चाचा-भतीजाक मृत्यु भए गेल। मिक्सर मशीन लए जाएवला मजदूर सभक गाड़ी कें एक तेज रफ्तार हाइवा ट्रक पाछासं टक्कर मारलक, जाहिसं गाड़ी पलटि गेल आ सवार लोकनि घायल भए गेलाह। मृतक लड्डू यादव (50 वर्ष) आ हुनकर भतीजा प्रदीप यादव (32 वर्ष) लोदीपुर थाना क्षेत्रक निवासी छलाह। लड्डू यादवक मृत्यु स्थले पर भए गेल, जहनकि प्रदीप इलाजक क्रममे बाटे मे दम तोड़ि देलनि। एहि दुर्घटना सं आक्रोशित ग्रामीण सभ मुआवजाक मांग करैत सड़क जाम कए देलनि। पुलिस पहुंचिकय जाम समाप्त करौलक आ ट्रक जप्त केलक, चालक फरार अछि। मृतकक घरमे कोहराम मचि गेल अछि। प्रदीपक पत्नी शेपु देवी कहलनि जे व्रतकें फल लए आनबाक बात छल, मुदा ओ आब नहि रहलाह। ओ अपन तीन संतान छोड़ि गेलाह।



