18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

18.67 करोड़क लागत सं बनत अत्याधुनिक फायर टेस्टिंग एंड ट्रेनिंग सेंटर

पटना। उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलन्हि जे बिहार सरकार अग्नि सुरक्षा क्षेत्र मे ऐतिहासिक पहल करैत राज्यक पहिल सेंटर ऑफ एक्सीलेंस फॉर फायर टेस्टिंग, ट्रेनिंग एंड रिसर्च लेबोरेट्री स्थापन करबाक निर्णय लेने अछि। ई केन्द्र आईआईटी पटना परिसर मे स्थापित कएल जायत, जाहिसं अग्नि सुरक्षा संबंधी अनुसंधान, प्रशिक्षण आ परीक्षण कें नव दिशा भेटत।

ओ कहला जे एहि परियोजना अंतर्गत भवन निर्माण, अत्याधुनिक उपकरणक क्रय आ बुनियादी ढांचाक विकास पर 17.36 करोड़ टाका खर्च होयत। संगहि, केन्द्रक संचालन आ रख-रखाव लेल 1.31 करोड़ टाकाक राशि प्रति वर्ष पांच वर्ष धरि खर्च कएल जायत। एहि राशि सं मानव संसाधन, तकनीकी स्टाफ आ प्रशासनिक आवश्यकता पूरा कएल जायत।

सम्राट चौधरी कहलन्हि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्व मे एनडीए सरकार राज्य मे अग्निशमन सेवाक गुणवत्ता सुधार आ अग्नि सुरक्षा क्षेत्र मे आत्मनिर्भरता दिशि लगातार प्रयासरत अछि। ई केन्द्र केवल प्रशिक्षण हब नहि बनत, बल्कि अग्नि सुरक्षा क्षेत्र मे बिहार केँ राष्ट्रीय स्तर पर नव पहचान सेहो देत।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here