समस्तीपुर, समदिया
समस्तीपुर जिला अंतर्गत मोहिउद्दीन नगर थाना क्षेत्रक बिशनपुर बेरी पंचायत मे सरपंच सुनील कुमारक गोली मारि कए हत्या कएल गेल अछि। ई जघन्य घटना मंगलदिन राति लगभग एक बजे घटित भेल, जखन गामक विपिन कुमार नामक व्यक्ति सरपंचक घर पर चढ़ि कए ताबड़तोड़ गोलीबारी कएलक, जाहिमे घटनास्थले पर सुनील कुमार (उम्र 35 वर्ष) केर मृत्यु भए गेल।
मृतकक परिजनक कथन अनुसार, एहि घटनाक शुरुआत मंगलदिन संध्या समय एक ड्राइवर सं भेल विवाद सं भेल छल। ओही विवादक क्रम मे विपिन कुमार आ ओकर परिवारक लोक सरपंचक घर पर चढ़िकए माइरपीट शुरू कएलक। ओहि समय दुनू पक्ष सं हाथापाई भेल, मुदा स्थानीय लोक बीच-बचाव कए मामला शांत कएलक। मुदा राति मे विपिन कुमार फेर सं घर पर चढ़ल आ सरपंच पर गोली चला देलक। घटनास्थल पर दर्जनो राउंड फायरिंग हेबाक सूचना अछि, जाहिसं पूरा गाम मे दहशत व्याप्त भए गेल अछि।
सूचना पाबि कए पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ शव कें कब्जा मे लए समस्तीपुर सदर अस्पताल पोस्टमार्टम लेल पठा देलक। घटना संबंधी जांच प्रारंभ भए चुकल अछि, मुदा पुलिस अधिकारी सभ मीडिया सं बात करबा सं बचि रहल छथि। उल्लेखनीय बात ई सेहो अछि जे एहि हिंसात्मक घटनाक क्रम मे आरोपी पक्षक एक युवक सेहो घायल भेल अछि, जकरा गंभीर अवस्थामे उच्च चिकित्सा केन्द्र लेल रेफर कएल गेल अछि।
ग्रामीण सभक अनुसार, ड्राइवर सं पूर्व सं चलि रहल विवाद कें लए पंचायत सेहो भेल छल, मुदा तनाव शांत नहि भेल। संध्याकाल सं आरोपी पक्ष हवाई फायरिंग कए दहशत पसारि रहल छल। समस्त घटना सं गाम मे भय आ तनावक वातावरण बनल अछि।



