पटना, समदिया
मतदाता विशेष गहन पुनरीक्षण आ बढ़ैत अपराधक विरोध मे विधानसभा घेराव लेल प्रशांत किशोर अपन टीम संग बुधदिन भोर विधानसभा दिश गेला, मुदा बाटे मे चितकोहरा लग लाठीचार्ज भए गेल। हम अहां कें जनाबी जे प्रशांत किशोरक जन सुराज पार्टीक प्रदर्शनकारी सभ कें बुधदिन पुलिसक भारी विरोध झेलय पड़ल। चितकोहरा गोलंबर लग पुलिस हुनका सभ कें रोकि देलक। एहि क्रम मे भारी लाठीचार्ज भेल, जाहिमे कतेको कार्यकर्ता घायल भए गेलाह। दुपहर एक बजे धरि जन सुराजक टीम धरनास्थल वा विधानसभा लग पहुंचि नहि सकल।
प्रशांत किशोरक नेतृत्व मे हजारों समर्थकक भीड़ जखन पटनाक बेली रोड सं एयरपोर्ट भए गर्दनीबाग स्थित धरना स्थलक दिस आगू बढ़ल, तं चितकोहरा गोलंबर लग पुलिस बाट रोकि देलक। प्रदर्शनकारी आ पुलिसक बीच तीव्र नोकझोंक भेल, जकर उपरांत लाठीचार्ज शुरू भए गेल। कतेको प्रदर्शनकारी घायल भए गेलाह आ पूरा क्षेत्र मे भगदड़क स्थिति बनि गेल।
ज्ञात हो जे जन सुराज पार्टी द्वारा एहि प्रदर्शनक आयोजन तीन गंभीर मुद्दा कें लए कए कएल गेल छल। पहिल मुद्दा ई छल जे गरीब परिवार सभ कें रोजगार लेल सरकार द्वारा घोषित दू लाख टाका सहायता अखन धरि किएक नहि भेटल। दोसर मुद्दा छल जे दलित भूमिहीन परिवार कें तीन डिसमिल जमीन किएक नहि देल गेल। तेसर मुद्दा छल जे भूमि सर्वेक्षण मे व्याप्त भ्रष्टाचार पर कार्रवाई किएक नहि कएल जा रहल अछि।
जन सुराज पार्टी पुलिस पर बर्बरताक आरोप लगौलक अछि। पार्टीक कहब अछि जे शांतिपूर्ण ढंग सं विधानसभाक घेराव कए रहल कार्यकर्ता सभ पर बर्बरतापूर्वक लाठीचार्ज कएल गेल, जाहिमे कतेको लोक गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। घटनाक उपरांत प्रदर्शनकारी सभक बीच पहुंचिकए प्रशांत किशोर सरकार पर तीव्र प्रहार कएलनि।
एतेक दम अछि तं नीतीश सं परमिशन लए कए देखाउ : पीके
जन सुराजक कार्यकर्ता सभ द्वारा किसान आ गरीब संबंधित तीन प्रमुख मुद्दा पर विधानसभाक घेराव लेल कए गेल प्रयासक दौरान पुलिस द्वारा बेरिकेडिंग लगाकए प्रदर्शन रोकल गेल। ई घटना पटना स्थित पटेल गोलंबरक समीप घटल, जतए कार्यकर्ता सभकें पुलिसक बल प्रयोगक सामना करए पड़ल। पार्टीक अनुसार, पुलिसक लाठीचार्ज मे कतेको कार्यकर्ता घायल भए गेलाह आ एक गोटाक माथ फूटि गेल।
लाठीचार्जक बाद जन सुराजक प्रमुख सूत्रधार प्रशांत किशोर, पुलिस पर कड़ा प्रतिक्रिया दैत नजरि एलाह। सोशल मीडिया पर शेयर कएल गेल एक वीडियो मे ओ साफ-साफ कहैत देखेला जे ऐ, एतेक दम अछि? लाठी चलाएब? हिम्मत अछि तं हमरा पर लाठी चलाउ, सामने ठाढ़ छी। ओ बाद मे वरिष्ठ पुलिस पदाधिकारी सं एहि कार्रवाईक जवाब मांगलनि, संगहि कहलनि जे कार्यकर्ता शांतिपूर्वक प्रदर्शन कए रहल छलाह, एकर बादो बल प्रयोग कएल गेल। प्रशांत किशोरक अनुसार, पुलिसक लाठी लगला सं एक युवकक माथ फूटि गेल।
एहि घटनाक बाद जन सुराजक प्रदेश अध्यक्ष मनोज भारतीक नेतृत्व मे एक प्रतिनिधिमंडल मुख्य सचिव अमृतलाल मीणा सं भेंट कएलक। ओ मुख्य सचिव कें अपन मांग सभक ज्ञापन सौंपल। प्रशांत किशोर बाद मे पत्रकार सभसं कहलनि जे मुख्य सचिव सरकार दिस सं आश्वासन देलनि अछि जे 7 दिनक भीतर मांग सभ पर जवाब देल जाएत। जं तय समय सीमा मे संतोषजनक उत्तर नहि भेटत, तं जन सुराज मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक आवासक घेराव करत।



