बासोपट्टी : मधुबनी जिलाक बासोपट्टी थाना क्षेत्र अन्तर्गत महीनतपुर गाम स्थित भारत-नेपाल सीमा समीप बुध दिन भोर लगभग 10 बजे एकटा गंभीर घटना घटित भेल। नेपाल सीमा पर अवस्थित सशस्त्र सीमा बल चेकपोस्ट लग चारि संदिग्ध व्यक्ति मुख्य सड़कक बदला कच्चा बाट सं भारत मे प्रवेश करबाक प्रयास कए रहल छल।
ड्यूटी पर तैनात एसएसबीक दू जवान द्वारा रोकल गेलाक उपरान्त ओ लोकनि अचानक जवान सभ पर हमला कए देलक। आत्मरक्षा स्वरूप एसएसबी जवान एक राउंड हवाई फायर करबाक प्रयास केलक। झड़पक क्रम मे एकटा जवानक माथ मे चोट लागल आ दोसर जवानक दाहिना हाथ घायल भए गेल।
हंगामा कए रहल एक उपद्रवी कें गोली डांड़क समीप लागल। घायल व्यक्ति कें गंभीर अवस्था मे दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे इलाजक लेल पठाओल गेल अछि।
घटनाक बाद क्षेत्रक स्थिति सामान्य बनल अछि आ विधि-व्यवस्था पर कोनो प्रतिकूल प्रभाव नहि पड़ल अछि। घटनाक तुरंत उपरान्त एसएसबी केर कमांडेंट, अनुमंडल पदाधिकारी, पुलिस उपाधीक्षक, थाना प्रभारी, सर्किल इंस्पेक्टर आ क्विक रिस्पॉन्स टीम घटनास्थल पर उपस्थित भए गेलाह।
बासोपट्टी पुलिस द्वारा एकटा उपद्रवी कें गिरफ्तार कएल गेल अछि, आ शेषक पहिचान सीसीटीवी फुटेजक आधार पर भए चुकल अछि। मामिलाक गहन जांच जारी अछि।



