18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

लूटपाट करय आयल डकैत पर चक्कू आ रॉड सं हमला, एक केर मृत्यु

मधुबनी, समदिया

मधुबनी जिलाक अंधराठाढ़ी थाना क्षेत्रान्तर्गत सहुरिया गाम मे बुधदिन रात्रि देर सं नकाबपोश डकैत सभक उत्पात देखबाक लेल भेटल। 10 सं 15 केर संख्या मे पहुंचल डकैत सभ गृहस्वामी कें बंधक बना कए 10 लाख नगद आ 40 लाख टाकाक जेवर लूटि लेलक। कुल मिला कए डकैत सभ लगभग 50 लाख टाका मूल्यक संपत्ति लूटि लेबाक घटना कें अंजाम देलक।

लूटपाटक पूर्व गृहस्वामी राजकुमार साहूक पुत्र राजेश कुमार साहू पर डकैत सभ चाकू आ लोहाक रॉड सं जानलेवा हमला केलनि। ई घटना भयावह आ चौंकावयवाला तखन बनल, जखन एक डकैतक मृत्यु भए गेल।

परिजन आ स्थानीय ग्रामीण सभ पुलिस पर समय सं नहि पहुँचबाक गंभीर आरोप लगौने छथि। ग्रामीण सभ कहला जे जं समय पर पुलिस पहुंचि जाइत तं अपराधी सभ पकड़ल सकैत छल।

उल्लेखनीय अछि जे राजेश कुमार साहू अपन घर पर ज्वेलरी आ इलेक्ट्रॉनिक्सक दोकान चलबैत छथि। ओ व्यवसायी छथि। जखन लोक सभ कें डकैतीक जानकारी भेटल, तं भारी संख्या मे लोक सभ राजेश कुमारक घरक बाहर जमा भए गेल। एहि दौरान लोकक आक्रोश पुलिस पर फुटल आ जमिकए नारेबाजी केलनि। लोक सभ अविलंब घटनाक उद्भेदनक मांग केलनि।

ग्रामवासीक कहब अछि जे एहेन घटना पहिने केवल शहर मे होइत छल, मुदा आब गाम धरि पहुंचि गेल अछि। एकर कारणसं लोक सभ मे दहशतक माहौल बनि गेल अछि। ओ लोकनि पुलिस प्रशासन सं मांग केलनि जे एहि घटनाक त्वरित उद्भेदन होय, संगहि रात्रि गश्ती कें सेहो तेज कैल जाए। ओ कहलनि जे रात्रिक पहरा नहि होबाक कारण सं डकैत सभ एतेक साहस केलक आ बेखौफ भए कए डकैतीक घटना कें अंजाम देलक।

झंझारपुर डीएसपी सुबोध कुमार सिन्हा, पुलिस इंस्पेक्टर बी.के. बृजेश, अंधराठाढ़ी थानाध्यक्ष राहुल कुमार, आर.एस. थानाध्यक्ष अरविंद कुमार, रूद्रपुर थानाध्यक्ष आयशा समेत कतेको थानाक पुलिस घटनास्थल पर पहुंचिकए जांच मे जुटि गेल छथि। घटनास्थल सं साक्ष्य संग्रह कएल गेल, आ मृत डकैतक शव कें पंचनामा उपरांत पोस्टमार्टम लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठा देल गेल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here