मधुबनी, समदिया
जिलामे साइबर ठगीक एक गंभीर प्रकरण मे पुलिस एक युवक कें ठामहि पकड़बा मे सफल भेल अछि। ई गिरफ्तारी ओहि समय भेल, जखन गांधी चौक निवासी कौशल कुमार, पिता कैलाश नायक, द्वारा ई शिकायत दर्ज कराओल गेल कि हुनका स्कूल फी केर नाम पर 10,000 टाका ऑनलाइन ठगी कएल गेल अछि।
पीड़ित द्वारा जानकारी देल गेल जे हुनका एक साइबर कैफे सं एक संदेहास्पद लिंक पठाओल गेल, जकरा माध्यम सं ई राशि ठगी कएल गेल। घटनाक जानकारी भेटला उपरांत जखन ओ दोसर साइबर कैफे पहुँचलाह, ताहि समय पुनः फंड ट्रांसफरक प्रयास कएल जा रहल छल। तत्क्षण सूचना पर साइबर थाना मधुबनीक सक्रिय टीम ओहि ठाम पहुँचि कए एक युवक कें ठामहि पकड़ि लेलक।
गिरफ्तार युवकक पहिचान मनोज यादव, पिता स्वर्गीय रामसहनी यादव, ग्राम भैया नरपतगंज, थाना नरपतगंज, जिला अररिया केर रूप मे भेल अछि। प्रारंभिक छानबीन मे ई संकेत भेटल अछि जे आरोपी पूर्वो मे सेहो अनेक साइबर ठगी घटना मे संलिप्त रहल अछि।
पुलिस आरोपीक कब्जा सं दूटा मोबाइल फोन बरामद कएलक, जकर तकनीकी जांच मे ई स्पष्ट भेल अछि जे एकरा फर्जी वित्तीय लेनदेन आ आन साइबर अपराध मे उपयोग कएल जा रहल छल। पुलिस द्वारा एहि ठगी प्रकरण कें संगठित साइबर गिरोह सं जोड़िकए देखल जा रहल अछि, जे मधुबनी संग-संग आन जिलामे सेहो सक्रिय भ’ सकैत अछि।
एहि कार्रवाईक नेतृत्व साइबर थाना मधुबनीक पुलिस उपाधीक्षक-सह-थानाध्यक्ष अंकुर कुमार केलनि। कार्रवाई मे मनोज कुमार, संतोष कुमार, जितेन्द्र साहनी, मेघा कुमारी, सुबोध कुमार, संगीता कुमारी, प्रमोद कुमार आ नियलेश कुमार यादव सहित अन्य पुलिसकर्मी सक्रिय रहलाह।
साइबर पुलिस उपाधीक्षक अंकुर कुमार जानकारी देलनि जे आरोपीक नाम-पताक सत्यापन चलि रहल अछि आ मोबाइल डाटाक गहन तकनीकी विश्लेषण सेहो जारी अछि। संगहि गिरोहक आन सदस्यक पहचान आ गिरफ्तारी लेल विशेष अभियान तेज कएल जा रहल अछि।



