18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

भीषण जल संकट, सूखायल चापाकल आ ठप नल-जल योजना सं त्रस्त ग्रामीण केलनि सड़क जाम

कमतौल (दरभंगा), समदिया

कमतौल प्रखंड सहित अहियारी नगर पंचायत, अहियारी दक्षिणी आ ढ़ढिया बेलबारा क्षेत्र मे पानि संकट गंभीर रूप धारण कए लेने अछि। क्षेत्र मे लगातार वर्षा नहि होबय सं जलस्तर अत्यंत नीचां चलि गेल अछि, जाहि कारण अधिकांश चापाकल सूखि चुकल अछि आ लोक पीबाक पानि लेल बेहाल छथि। करोड़ो खर्च भेलाक बादो नल-जल योजना पूर्णतः ठप पड़ल अछि।

पेयजल संकट सं त्रस्त ढ़ढिया बेलबारा पंचायतक ग्रामीण सभ शुक्रदिन दिनक करीब 10 बजे कमतौल-जाले मुख्य मार्ग कें ढ़ढिया चौक पर बांस-बल्ला सं घेरि क’ आवागमन पूर्णतः बाधित क’ देलनि। आक्रोशित ग्रामीण सभ सरकार आ पंचायत प्रतिनिधि केर विरोध मे जोरदार नारा लगेलनि। महिलासभ हाथ मे खाली बाल्टी ल’ क’ “सूखि चुकल अछि चापाकल, पीबाक पानि उपलब्ध कराउ” आ “नल-जल योजना कें दुरुस्त करू” सन नारा लगबैत सरकार आ स्थानीय मुखियाक विरुद्ध रोष प्रकट करैत देखायल।

एहि विरोधक कारण सड़कक दूनू दिस वाहन सभक लंबा कतार लागि गेल। जामक सूचना पर कमतौल थाना सं एएसआई ललन यादव दल-बल सहित घटनास्थल पर पहुँचलाह आ प्रदर्शनकारी सभकें समझेबाक प्रयास केलनि, मुदा लोक जाम हटेबा पर सहमत नहि भेल।

तदोपरांत करीब डेढ़ बजे जाले प्रखंड विकास पदाधिकारी मनोज कुमार स्थल पर पहुँचलाह आ ग्रामीण सभ सं वार्ता करैत नियमित जल आपूर्ति केर आश्वासन देलनि। बीडीओ द्वारा लिखित आश्वासन देल गेलाक बाद ग्रामीण लोकनि बांस-बल्ला हटेलनि आ मार्ग पर यातायात पुनः सामान्य भ’ गेल। ई सड़क जाम करीब साढ़े तीन घंटा धरि जारी रहल।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here