18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

नहर मे डूबला सं 15 वर्षीय बालकक मृत्यु

राजनगर (मधुबनी), समदिया
थाना क्षेत्र अंतर्गत चांद टोला लग पश्चिमी कोशी नहरक उग्रनाथ शाखा मे शनिदिन लगभग एक बजे नहाय के क्रम मे एक पन्द्रह वर्षीय बालक आदित्य कुमारक डूबला सं ठामहि मृत्यु भ’ गेल। मृतक सिमरी गोठ पंचायतक वार्ड संख्या तीन निवासी श्याम सुंदर साहक पुत्र बताओल जा रहल अछि।

प्राप्त जानकारी अनुसार, आदित्य अपन गामक तीन आन संगीक संग पश्चिमी कोशी नहर मे नहय लेल गेल छल। सब बच्चा एक संग तेज धार मे छलांग लगा देलक, मुदा आन संगी सुरक्षित रूपे पानि सं बाहर आबि गेल, जखन कि आदित्य बहुत देर धरि देखाइए नहि देलक। बच्चा सभक चिचिआहट पर स्थानीय ग्रामीण घटनास्थल पर जमा भ’ गेलाह आ खोजबीन प्रारंभ कएल गेल। घंटो मशक्कतक बाद बालकक शव घटनास्थल सं करीब बीस मीटर दूर नहरक गहराई सं बरामद कयल गेल।

घटनाक सूचना पर तत्क्षण स्थानीय जनप्रतिनिधि आ ग्रामीण सभक सहयोग सं मृत बालक कें राजनगर पीएचसी लाओल गेल, जतय उपस्थित चिकित्सक द्वारा हुनका मृत घोषित कएल गेल।

एहि दुःखद घटनाक जानकारी भेटते राजनगर थाना अध्यक्ष सचिन कुमार आ अंचलाधिकारी कुमार अभिषेक घटनास्थल पर पहुँचला। प्रशासन द्वारा शव कें अपन कब्जा मे लैत पोस्टमार्टम लेल मधुबनी सदर अस्पताल पठाओल गेल।

राजनगर अंचलाधिकारी कुमार अभिषेक मृतकक परिजन कें ढाढ़स बंधबैत आपदा प्रबंधन विभागक प्रावधान अनुसार चारि लाख टाका मुआवजा देबाक प्रक्रिया शुरू करबाक बात कहलनि।

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here