18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

ट्यूशन टीचर संग अफेयर… खून सं सनल भेटल पतिक शव

समस्तीपुर, समदिया

जिला अंतर्गत मुफस्सिल थाना क्षेत्रक लगुनियां रघुकंठ गाम मे शनिदिन भोर एक युवकक शव ओकर घर सं खूनसं लथपथ अवस्था मे बरामद कएल गेल। सूचना भेटिते पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल आ संदेहक आधार पर मृतकक पत्नी कें हिरासत मे लए पूछताछ कए रहल अछि।

मृतकक पहिचान लगुनियां रघुकंठ निवासी टुनटुन झाक पुत्र सोनू कुमार (उम्र 30 वर्ष) केर रूप मे कएल गेल अछि, जे ऑटो चलेबाक काज करैत छल। मृतकक पिता जनौलनि जे छह वर्ष पूर्व अपन पुत्रक विवाह घटहो थाना क्षेत्रक माधो बिशनपुर गाम मे कएने छलाह। विवाह उपरांत सं पुत्र-पुत्रवधू बीच पारिवारिक विवाद चलि रहल छल। ओहि विवादक समाधान लेल बहू कें नैहर मे पंचायत कए बॉन्ड पेपर तैयार कराओल गेल आ फेर हुनका गाम वापस आनल गेल, जकर उपरांत दू संतान सेहो भेल।

पिता जनौलनि जे बच्चा कें पढ़ाबय लेल गामक हरिओम कुमार नामक शिक्षक ट्यूशन देबाक लेल घर अबैत छल। एक दिन हुनकर पुत्र सोनू अपन पत्नी आ ट्यूशन शिक्षक कें आपत्तिजनक स्थिति मे देखि लेने छल, जाहिसं घरक वातावरण मे तनाव उत्पन्न भए गेल। किछु दिन धरि शिक्षकक आवागमन बंद रहल, मुदा फेर ओ हुनकर पैघ पुत्रक कें पढ़ाबय लागल।

एहि सं मृतक सोनू आ ओकर पत्नी स्मिता झा मे विवाद आरो बढ़ि गेल। पिताक अनुसार, शुक्रदिन राति करीब 12 बजे सोनू ऑटो चला कए घर एलाह, तं ओहि समय धरि हम सुतल रही। भोर मे जखन उठलहुं तं देखलहुं जे पुत्रक कोठली मे ओकर शव खूनसं लथपथ अवस्था मे पड़ल अछि आ पुतोहू कोनाक एक भाग मे चुपचाप बैसल अछि। लग जा कए देखलहुं तं पुत्रक गला पर चोटक गंभीर निशान छल।

पिता स्मिता झा पर हत्याक आशंका व्यक्त कएने छथि आ कहला जे पुताहू किछु आन लोक सभक संग मिलि कए हुनकर पुत्र कें मारि देलक। एहि संबंध मे पिता द्वारा देल गेल बयानक आधार पर पुलिस मृतकक पत्नी कें हिरासत मे लए पूछताछ कए रहल अछि। शव कें कब्जा मे लए पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल पठाओल गेल अछि। पुलिस समस्त घटनाक गहन जांच मे लागि गेल अछि।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here