18.5 C
London
Sunday, April 26, 2026

अयोध्याक तर्ज पुनौराधाम मे बनत भव्य जानकी मंदिर : सीएम नीतीश कुमार

पटना, समदिया

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिक भोर बहुत रास सुखद संदेश सभ देलनि। सभ सं पहिने सीएम अपन सोशल मीडिया अकाउंट एक्स पर पत्रकारक पेंशन बढ़ेबाक घोषणा केलनि। एकर बाद सीएम मधुबनी जिलाक लोकही पहुंचला जतय 649.67 करोड़ टाकाक लागति सं विभिन्न जनकल्याणकारी योजना सबहक शिलान्यास कएलनि। एकर बाद सीएम सीतामढ़ीक पुनैराधाम पहुंचलाह आ कहलनि जे अयोध्याक तर्ज पर एतय भव्य मां जानकीक मंदिर बनत।

बिहार विधानसभा चुनाव सं पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक आर नवका सनेश देलनि अछि। सामाजिक सुरक्षा पेंशनक राशि बढ़ेलाक बाद आब बिहार पत्रकार सम्मान पेंशन योजनाक राशि मे सेहो वृद्धिक घोषणा कएल गेल अछि। एहि योजनाक अंतर्गत आब पात्र पत्रकार सभकें मासिक छह हजार टकाक स्थान पर पंद्रह हजार टका पेंशन देल जायत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं सोशल मीडिया पर ई जानकारी देलनि। ओ कहलनि जे हम खुशी सं कहि रहल छी जे बिहार पत्रकार सम्मान पेंशन योजना अंतर्गत सभ पात्र पत्रकार सभकें मासिक पंद्रह हजार टका पेंशन देबाक निर्देश देल गेल अछि।

मुख्यमंत्री कहलनि जे एहि योजना अंतर्गत जं पेंशन प्राप्त कए रहल कोनो पत्रकारक मृत्यु भए जाए तं हुनकर आश्रित पति वा पत्नी कें जीवनपर्यन्त मासिक तीन हजार टकाक स्थान पर दस हजार टका पेंशन देबाक प्रावधान कएल गेल अछि। नीतीश कुमार कहलनि जे पत्रकार समाजक सुविधा आ सम्मान कें ध्यान राखब हमर दायित्व अछि, जाहि सं ओ निष्पक्ष रूप सं अपन पत्रकारिता जारी राखि सकथि आ सेवा निवृत्तिक उपरांत गरिमापूर्ण जीवन व्यतीत कए सकथि। सरकार पत्रकार हित मे सदैव प्रतिबद्ध रहल अछि।

मधुबनी मे 649.67 करोड़ टाका राशिक योजनाक कएलनि शिलान्यास

मधुबनी : मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शनिदिन मधुबनी जिलाक लौकही प्रखंड मे पहुंचि कए पूर्व पंचायती राज मंत्री स्वर्गीय हरिप्रसाद साहक मूर्तिक अनावरण केलनि। एहि अवसर पर ओ मधुबनी मे पूर्व मे प्रगति यात्राक दौरान देल गेल घोषणासं जुड़ल कुल 649.67 करोड़ टाका राशिक पांच महत्वपूर्ण योजनाक शिलान्यास सेहो केलनि।

मुख्यमंत्री द्वारा जयनगर स्थित शहीद चौक निकट रेल ओवर ब्रिज निर्माण (178 करोड़), मधुबनी मे अंतर्राज्यीय बस अड्डा निर्माण (14.53 करोड़), मां सीता आ प्रभु श्रीरामक प्रथम मिलन स्थल फुलहर स्थान कें पर्यटक स्थल रूप मे विकसित करबाक योजना (31.13 करोड़), आ 426 करोड़क लागति सं पुरान कमला आ जीवछ कमला नदीक पुनर्जीवन संगहि चारि वीयर आ अन्य संरचनाक निर्माण कार्यक शिलान्यास कएल गेल। कार्यक्रमक दौरान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार रोड शो कए कए आम जनता सं भेंट केलनि।

धार्मिक अनुष्ठान आ नागरिक सुविधा आ समुचित हो व्यवस्था

सीतामढ़ी :  मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सीतामढ़ी जिलाक पुनौरा धाम स्थित जानकी जन्मभूमि मंदिर परिक्षेत्र लेल स्वीकृत समग्र विकास योजनाक स्थल पर पहुंचि निरीक्षण केलनि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मां जानकी मंदिर मे पूजा-अर्चना करैत राज्यक सुख, शांति आ समृद्धिक कामना सेहो केलनि। ओ पुनौरा धाम स्थित मां सीता उर्विजा कुंड, जकरा जानकी जीक प्रकाट्य स्थली मानल जाइत अछि, ओहि ठामक निरीक्षण कए संबंधित पदाधिकारी सभ कें आवश्यक निर्देश देलनि।

निरीक्षण क्रम मे पर्यटन विभागक अधिकारी लोकनि मुख्यमंत्री कें अवगत करेलनि जे मंदिर परिसर मे श्रद्धालु सभक लेल कोन-कोन सुविधा उपलब्ध कराओल जा रहल अछि आ आगामी 8 अगस्त कें होमयवाला शिलान्यास समारोहक तैयारी सभ कतय धरि पहुंचल अछि। संगहि ओ ईहो जानकारी देलनि जे श्री राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्र, अयोध्याक समग्र विकासक तर्ज पर पुनौरा धामक जानकी जन्मभूमि मंदिर परिक्षेत्रक सेहो समग्र विकास कएल जाएत, जतय एक भव्य मंदिर भवन निर्माणाधीन अछि। ई सुनिश्चित कएल जाएत जे मंदिर भवनक प्राचीन संरचना यथावत बनल रहए।

मुख्यमंत्री स्पष्ट रूपें निर्देश देलनि जे मां जानकी मंदिर परिसर मे जे-कोनो धार्मिक अनुष्ठान, श्रद्धालु आ आगंतुक नागरिकक सुविधा संग-संग मंदिर परिसरक समुचित व्यवस्थापन सुनिश्चित होए।

 

- Advertisement -spot_imgspot_img
Latest news
- Advertisement -spot_img
Related news

LEAVE A REPLY

Please enter your comment!
Please enter your name here