सीतामढ़ी : जिला सं लगैत नेपालक सर्लाही आ रौतहट सीमा पर अवस्थित चंद्रपुर नगरपालिकाक नूनथर स्थित बागमती नदी मे जलबोझी लेल गेल दू युवक डूबि गेलाह। मृतक मे एक गोटा सोनबरसा थाना क्षेत्रक मढ़िया पंचायतक जमुआहा वार्ड संख्या 1 निवासी शिवशंकर साहक 14 वर्षीय पुत्र पवन कुमार साह छथि, जखन कि दोसर युवकक पहिचान हनुमान नगर पंचायतक घुरघुरा वार्ड 3 निवासी दिलीप राउतक 22 वर्षीय पुत्र नितेश कुमार राउत रूपे भेल अछि। एक गोटाक शव बरामद भए गेल अछि, दोसरक तलाश जारी अछि। नेपाल प्रशासन द्वारा शवक पोस्टमार्टम कएलाक बाद भारत पठाओल गेल। एहि दुःखद घटना सं प्रभावित परिजन सं महिला राजदक प्रदेश अध्यक्ष रितु जायसवाल स्वयं गाम पहुँच कए भेट केलनि आ ढाढ़स देलनि। संगहि ओ अंचलाधिकारी सं पीड़ित परिजन लेल मुआवजा देबाक मांग केलनि। पूर्व कमिश्नर अरुण कुमार आ मुखिया पति मोहम्मद ज्याउद्दीन उर्फ तन्नू सेहो सांत्वना देबय लेल पहुँचलाह।



