हरिद्वार, एजेंसी
हरिद्वार स्थित पवित्र मनसा देवी मंदिर परिसर मे भेल भगदड़क घटनामे बिहारक एक श्रद्धालुक मृत्यु भए गेल अछि, जखन कि कतेको श्रद्धालु घायल भेल छथि। प्राप्त सूचना अनुसार, घायल मे सभ सं बेसी संख्या बिहार आ मिथिलाक श्रद्धालु सभक अछि। मृतक अररिया निवासी शकल देव (18 वर्ष), पिता बेचन देव छथि।
मोतिहारी, भागलपुर आ मुंगेरक श्रद्धालु भेलाह घायल
घायल श्रद्धालु मे मोतिहारीक कुमारी कृति (6 वर्ष), पिता उमेश साह, आ राज कुमार (14 वर्ष), पिता निदेश शाह शामिल छथि। बड़ियापुरक अजय (19 वर्ष), पिता संजय सेहो घायल भेल छथि।
भागलपुर सं अराधना कुमारी (5 वर्ष), पिता विनोद शाह, आ स्वयं विनोद शाह (35 वर्ष), पिता रोहित शाह सेहो घायल भेल छथि। मुंगेरक अजय कुमार (18 वर्ष), पिता सहदेव कुमार सेहो घायल छथि।
भगदड़क कारण
उत्तराखंड प्रशासनक अनुसार मंदिर परिसर मे करंट लागि जेबाक अफवाह पसरि गेल, जकर कारण भगदड़ मचि गेल। 23 जुलाई कें जलाभिषेकक बादो लाखो कांवड़िया ओहि परिसर मे ठाढ़ छलाह। शनि आ रवि कें भक्तक अत्यधिक भीड़ जुटल छल।
कुल 6 मृतक, 29 घायल
उत्तराखंड प्रशासनक अनुसार, भगदड़ मे अखन धरि कुल 6 श्रद्धालुक मृत्यु भेल अछि, जहनकि 29 लोक घायल भेल छथि। घटनास्थलक रास्ता बहुत संकीर्ण छल, जाहि कारणें भगदड़ मे लोक एक दोसरा पर चढ़ि गेलाह। हरिद्वार प्रशासनक अनुसार मृतकक संख्या आरो बढ़ि सकैत अछि। घायल सभक इलाज ऋषिकेशक विभिन्न अस्पताल सभ मे चलि रहल अछि। एहि दुःखद घटना सं समस्त श्रद्धालु समाज शोकाकुल अछि।



